Back

लोकसेवा आयोग - नेपाल सरकार. लोकसेवा आयोग वि.सं. २००७ सालमे नेपालमे प्रजातन्त्रक स्थापना साथे निजामती कर्मचारीक नियुक्ति अलगे आर स्वतन्त्र निकायसँ करैक उद्देश ..



लोकसेवा आयोग
                                     

लोकसेवा आयोग

लोकसेवा आयोग वि.सं. २००७ सालमे नेपालमे प्रजातन्त्रक स्थापना साथे निजामती कर्मचारीक नियुक्ति अलगे आर स्वतन्त्र निकायसँ करैक उद्देश्यसँ वि.सं. २००८ साल असार १ गते लोक सेवा आयोगक स्थापना भेल अछि । ई आयोग निजामती सेवाक पदमे उपयुक्त उम्मेदवार छनौट करैवाला कार्य करैत अछि ।

नेपाल अधिराज्यक संविधान, २०४७ सेहो लोक सेवा आयोगक एक स्वतन्त्र संवैधानिक निकायक रूपमे स्वीकार करने अछि । वही संविधानक धारा १०१ आयोगक एक अध्यक्ष आर आवश्यकता अनुसार अन्य सदस्यसभ रहै तेहन लोक सेवा आयोगक गठन होएवाला व्यवस्था कएल गेल अछि । आयोगक अध्यक्ष आर सदस्यसभ ६ वर्षक लेल नियुक्ति करैक व्यवस्था संविधानमे व्यवस्था कएल गेल अछि । आयागेक अध्यक्ष तथा सदस्यसभक सर्वोच्च अदालतक न्यायाधीश सरह समान आधारमा आर समान तरिकासँ अपन पदसँ हटाब सकत ।

नेपालक अन्तरीम संविधान, २०६३ अनुसार लोकसेवा आयोगक काम, कर्तव्य आर अधिकार एहि प्रकार अछि:

  • कोनो एक प्रकारक निजामति सेवाक पदसँ दोसर प्रकारक निजामति सेवाक पदमेया अन्य सरकारी सेवाबसँ निजामति सेवामे बदली या बढुवा करैत बेर उम्मेदवारक उपयुक्तताक विषयमे.
  • निजामति सेवाक शर्त सम्बन्धी कानूनक विषयमे.
  • निजामति सेवाक पदसभमे नियुक्तिक लेल उपयुक्त उम्मेदवार छनौट करि परीक्षासभ सञ्चालन करै ।.
  • निजामति सेवा पदमे नियुक्ति, बढुवा आर विभागीय कारवाही करैत बेर अपनाबवाला सिद्धान्तक विषयमे.
  • देहायक विषयमे नेपाल सरकार लोक सेवा आयोगक परामर्श लेब परै व्यवस्था संविधानमे कएल गेल अछि ।.
  • आयोगक परामर्श लेब नै परै अवस्थाक पदमे बहाल रहल कर्मचारीक आयोगक परामशर् लेब परै अवस्थाक पदमे स्थायी बदली या बढुवा करैक विषयमे ।.
  • निजामति पदमे ६ महिनासँ बेसी समयक लेल नियुक्ति करैत बेर उम्मेदवारक उपयुक्तताक विषयमे ।.
  • कोनो भि निजामति कर्मचारीक देबवाला विभागीय सजायक विषयमे.
  • प्रत्येक वर्ष लोक सेवा आयोग अपन कएल कामक वार्षिक प्रतिवेदन संसद समक्ष पेश करत ।.
  • कोनो एक प्रकारक निजामति सेवाक पदसँ दोसर प्रकारक निजामति सेवाक पदमे या अन्य सरकारी सेवासँ निजामति सेवामे बदली या बढुवा करैत बेर उम्मेदवारक उपयुक्तताक विषयमे.
  • आयोगक परामर्श लेब नै परै अवस्थाक पदमे बहाल रहल कर्मचारीक आयोगक परामशर् लेब परै अवस्थाक पदमे स्थायी बदली या बढुवा करैक विषयमे ।.
  • कोनो भि निजामति कर्मचारीक देबवाला विभागीय सजायक विषयमे ।.
  • आयोगक अन्य काम, कर्तव्य आर कार्यविधि संविधानक अधिनमे रहि कानूनद्वारा निर्धारण भेल अनुसार होएत ।.
                                     

1. निकायक संरचना

नेपालक अन्तरिम संविधान २०६३ क धारा १२५ अनुसार ई निकायमे एक आदमी अध्यक्ष तथा चाहल अनुसार सदस्य राखवाला ब्यबस्था कएल गेल अछि । हाल ई संगठनमे पदासिन रहल सदस्यसभ एहि प्रकार अछि:-

  • श्री राजेन्द्र प्रसाद साह, माननीय.
  • श्री टिकादत्त निरौला, माननीय सदस्य.
  • प्राचार्य कृष्ण प्रसाद पोख्रेल, माननीय सदस्य.
  • उमेश प्रसाद मैनाली, माननीय अध्यक्ष.
  • श्री नाथु प्रसाद चौधरी, सचिब.
                                     

1.1. निकायक संरचना अञ्चल कार्यालयसभ

  • मेची अञ्चल कार्यालय, इलाम.
  • लुम्बिनी अञ्चल कार्यालय, बुटवल, रूपन्देही.
  • जनकपुर अञ्चल कार्यालय, जलेश्वर, महोत्तरी.
  • राप्ती अञ्चल कार्यालय, तुलसीपुर, दाङ.
  • महाकाली अञ्चल कार्यालय, महेन्द्रनगर, कञ्चनपुर.
  • कर्णाली अञ्चल कार्यालय, खलङ्गा, जुम्ला.
  • नारायणी अञ्चल कार्यालय, हेटौंडा, मकवानपुर.
  • धवलागिरी अञ्चल कार्यालय, वाग्लुङ.
  • सगरमाथा अञ्चल कार्यालय, दिक्तेल, खोटाङ.
                                     

1.2. निकायक संरचना सम्पर्क पता

लोक सेवा आयोग केन्द्रीय कार्यालय अनामनगर, काठमाडौं, पोष्ट बक्स नं.: ८९७९ फोन: ४७७१४८८, ४७७१४८१, ४७७१४९४, ४७७१५२८ फ्याक्स: ४७७१४९० ईमेल: info psc.gov.np

Users also searched:

लोकसेवा आयोग, नेपाल सरकार. लोकसेवा आयोग,

...
Free and no ads
no need to download or install

Pino - logical board game which is based on tactics and strategy. In general this is a remix of chess, checkers and corners. The game develops imagination, concentration, teaches how to solve tasks, plan their own actions and of course to think logically. It does not matter how much pieces you have, the main thing is how they are placement!

online intellectual game →