Back

ⓘ रणथम्भोर किला दिल्ली-मुम्बई रेल मार्गक सवाई माधोपुर रेल्वे स्टेशन सँ १३ किमी दूर रन आ थम्भ नामक पहाडीसभके बीच समुद्रतल सँ ४८१ मीटर उचाई पर १२ किमीक परिधि मे बनल ..




रणथम्भोर किला
                                     

ⓘ रणथम्भोर किला

रणथम्भोर किला दिल्ली-मुम्बई रेल मार्गक सवाई माधोपुर रेल्वे स्टेशन सँ १३ किमी दूर रन आ थम्भ नामक पहाडीसभके बीच समुद्रतल सँ ४८१ मीटर उचाई पर १२ किमीक परिधि मे बनल अछि । किलाक तीनो ओर पहाडसभमे प्राकृतिक खाई बनल अछि जे ई किलाक सुरक्षाके मजबूत बनाए अजेय बनाबैत अछि ।

                                     

1. परिचय

किला सँ सम्बन्धित प्रमुख ऐतिहासिक स्थानसभमे नौलखा दरवाजा, हाथीपोल, गणेशपोल, सुरजपोल आ त्रिपोलिया प्रमुख प्रवेश द्वार अछि । त्रिपोलिया अन्धेरी दरवाजा सेहो कहलावैत अछि । एकर बगल सँ एक सुरङ्ग महल तक गेल अछि । किला तक पहुँचैक लेल बहुतेक उतार-चढाव, संकरा व फिसलन भेल रास्ता तय करैक संग नौलखा, हाथीपोल, गणेशपोल आ त्रिपोलिया द्वार पार करै पडैत अछि । ई किलामे हम्मीर महल, सुपारी महल, हम्मीर कचहरी, बादल महल, जबरा-भंवरा, ३२ खम्बासभक छतरी, रनिहाड ताल, महादेवक छतरी, गणेश मन्दिर, चामुण्डा मन्दिर, ब्रह्मा मन्दिर, शिव मन्दिर, जैन मन्दिर, पीर सहरुद्दीनक दरगाह, सामन्तोक हवेलीसभ तत्कालीन स्थापत्य कलाक अनुठा प्रतीक छी । राणा साङ्गाक रानी कर्मवतीद्वारा शुरू कएल गेल अधूरी छतरी सेहो दर्शनीय अछि । किलाक मुख्य आकर्षण हम्मीर महल अछि जे देशक सब सँ प्राचीन राजप्रसादसभमे सँ एक छी स्थापत्यक नाम पर ई किला सेहो भग्न-समृधिक भग्न-स्थली छी ।

                                     

1.1. परिचय विश्व धरोहर रणथम्भोर किला

कम्बोडियाक राजधानी नोमपेन्ह सहरमे युनेस्कोक विरासत सम्बन्धी विश्वव्यापी समितिक ३६अम बैठकमे दिनाङ्क २१ जुन २०१३ शुक्रवारके भारतक पहाडी किला रणथम्भोर किलाक चयन कएल गेल, ई किलाक घटनाक्रम विश्वमे सिधा प्रसारणक रुपमे देखल आ सराहल गेल । रणथम्भोर किलाक छोडि राजस्थानमे जन्तर मन्तर वेधशाला, आमेर किला, गागरोन किला, कुम्भलगढ किला, जैसलमेर किला आ चितौडगढ किला सेहो विश्व धरोहर स्थलमे शामिल अछि ।