Back

ⓘ अनिलचन्द्र ठाकुर ई.केँ कटिहार जिलाक समेली गाममे भेलन्हि । सन् १९८२ मे हिन्दी साहित्यमे स्नातकोत्तर केलाक बाद नवम्बर ९३ सँ नवम्बर ९४ धरि सुबह हस्तलिखित पत्रिकाक ..




                                     

ⓘ अनिलचन्द्र ठाकुर

अनिलचन्द्र ठाकुर ई.केँ कटिहार जिलाक समेली गाममे भेलन्हि । सन् १९८२ मे हिन्दी साहित्यमे स्नातकोत्तर केलाक बाद नवम्बर ९३ सँ नवम्बर ९४ धरि "सुबह" हस्तलिखित पत्रिकाक सम्पादन-प्रकाशन कएलन्हि आ कोशी क्षेत्रीय ग्रामीण बैंकमे अधिकारी रहथि । हुनकर मैथिली, अङ्गिका, हिन्दी आ अङ्ग्रेजीमे समानरूपेँ लेखन । मृत्युक पूर्व ब्रेन ट्यूमरसँ बीमार चलि रहल छलाह। हुनकर प्रकाशित कृतिसभ: आब मानि जाउ - पहिने भारती-मंडन पत्रिकामे प्रकाशित भेल, फेर मैलोरङ्गद्वारा पुस्तकाकार प्रकाशित भेल । कच ; एक और राम ; एक घर सडक पर ; द पपेट्स अनत कहाँ सुख पावै अछि । आब मानि जाउ - एहि उपन्यासमे एक एहन युवतीक सङ्घर्ष-गाथा अङ्कित अछि जे अपन लगनसँ जीवन बदलैत अछि। असङ्ख्य गामक ई कथा कुलीनताक अधःपतनक कथा, संस्कारविहीनताक उद्घाटन आ भविष्यक पिढीकेँ बचएबाक चेतौनी छी ।

Users also searched:

...
...
...