Back

ⓘ १९८३ क्रिकेट विश्वकप. क्रिकेट विश्वकप १९८३ क्रिकेट विश्वकप प्रतियोगिताक तेसर क्रिकेट विश्वकप छल । ई प्रतियोगिता ९ जुन सँ २३ जुन धरि इङ्ल्यान्डमे आयोजन भेछल जकरा ..




                                     

ⓘ १९८३ क्रिकेट विश्वकप

क्रिकेट विश्वकप १९८३ क्रिकेट विश्वकप प्रतियोगिताक तेसर क्रिकेट विश्वकप छल । ई प्रतियोगिता ९ जुन सँ २३ जुन धरि इङ्ल्यान्डमे आयोजन भेछल जकरा भारत जितने छल । ई टुर्नामेन्ट प्रुडेन्सियल एसुरेन्स कम्पनीद्वारा प्रायोजित छल । ई टुर्नामेन्टमे ८ टा टिम भाग लेने छल । ई क्रिकेट विश्वकप सुरु सँ नाटकीय रहल छल । भारत तथा जिम्बाब्वे जका टिम विश्वकप सुरु होमए सँ पहिने आन टिमक मुकाबलामे स्तरीय क्रिकेट नै खेलैक छल मुदा ओसभ वेस्ट इन्डिज तथा अस्ट्रेलिया जका कड़गड़ टिमसभके हराए सनसनी फैलोनए छल ।

ई प्रतियोगितामे एक म्याच ६० ओभरक खेलाएल गेछल आ खेलाडी उज्जर पोसाकमे तथा लाल क्रिकेट बल सँ खेलैक नियम छल । म्याच दिनमे भेला कारण खेल शीघ्र सुरु कएल जाइत छल । ई प्रतियोगितामे सेहो म्यान अफ द सिरिजक व्यवस्था नै कएल गेछल ।

                                     

1. स्वरूप

टुर्नामेन्टमे टिमसभके २ समूहमे विभाजन कएल गेछल जाहिमे प्रत्येक टिम दोसर टिम सँ खेल खेलकि छल । दुई उत्कृष्ट टिम सेमीफाइनलक लेल प्रत्येक समूह सँ अगाडी जाकि नियम छल । सेमीफाइनलक विजेता फाइनल खेलक लेल सक्षम होवाक नियम छल ।

ई पहिल विश्वकप छल जे इङ्ल्यान्डक १४ टा अलग-अलग स्थानमे खेलाएल गेछल । प्रतियोगितामे कूल २७ खेल भेछल जाहिमे २ सेमीफाइनल तथा १ फाइनल रहल छल ।

                                     

2. सहभागी राष्ट्र

ई प्रतियोगिताक आयोजक इङ्ल्यान्ड छल । आइसिसी अपन पहिल आयोजन इङ्ल्यान्डके करैक निर्णय केनए छल कियाकी इङ्ल्यान्ड सँ ओ समयमे पर्याप्त संसाधन छल जे एकटा सफल आयोजन क सकैत छल । ८ राष्ट्र एहि टुर्नामेन्टक लेल सहभागी भेछल । जहिमे ७ टा टिम पूर्ण आइसिसी मान्यता प्राप्त छल । श्रीलंका आइसिसीक सन्निकट पूर्ण सदस्य बनाएल गेछल तहिना जिम्बाब्वे १९८२ क आइसिसी ट्रफी जिते से मान्यता प्राप्त केनए छल ।

                                     

3. नक्आउट चरण

सेमी फाइनल

१९८३ क्रिकेट विश्वकपक पहिल सेमीफाइनल खेल इङ्ल्यान्ड तथा भारत बीच खेलल गेछल तहिना दोसर सेमीफाइनल खेल पाकिस्तान तथा वेस्ट इन्डिज बीच खेलल गेछल । पहिल सेमीफाइनल खेलमे भारत इङ्ल्यान्डके ६ विकेटसँ आ दोसर सेमीफाइनलमे वेस्ट इन्डिज पाकिस्तानके ८ विकेटसँ हराए फाइनलक यात्रा तय केनए छल ।

                                     
  • क र क ट व श वकप, क र क ट व श वकप तथ क र क ट व श वकप इङ ल य न ड भ रत व ज त क र क ट व श वकप तथ क र क ट व श वकप न य ज ल य न ड प क स त न
  • भ रत य क र क टक प र व कप त न भऽ च कल अछ आ अपन कप त न म भ रतक क र क ट व श वकप ज त न ए अछ ई ल ख एखन अप र ण अछ अह एकर बढ ए व क प ड य क र
  • आइस स क र क ट व श वकप प र षसभक एकद वस यक म ख य अन तर र ष ट र य प रत य ग त छ ई ख लक आध क र क न क य अन तर र ष ट र य क र क ट पर षद आइस स द व र ई
  • क र क ट व श वकप आध क र क र पम प र ड न स यल कप क र क ट व श वकप प रत य ग त क द सर क र क ट व श वकप छल ई प रत य ग त ज न स ज न धर इङ ल य न डम
  • क र क ट व श वकप आध क र क र पम र ल यन स व श वकप क र क ट व श वकप प रत य ग त क च र म क र क ट व श वकप छल ई प रत य ग त अक ट बर स नवम बर धर
  • भ रत र ष ट र य क र क ट ट म भ रतक र ष ट र य क र क ट ट म छ ई क र क ट ट म ब स स आईद व र न यन त र त कएल ज इत अछ भ रतम क र क टक व क स य र प ल सभद व र
  • र ष ट र य क र क ट ट म न प लक प रत न ध त व कर अन तर र ष ट र य क र क ट प रत य ग त म भ ग ल न ह र क र क ट ख ल ड सभक सम ह छ न प ल र ष ट र य क र क ट ट म सन

Users also searched:

...