Back

ⓘ भिभ रिचर्ड्स. सर इसाक भिभियन एलेक्जेन्डर रिचर्ड्स, केजिएन, ओबिई वेस्ट इन्डिजक पूर्व क्रिकेटर छी। क्रिकेट जगतमे एकर दोसर नाम भिभियन या, भिभ आ किङ्ग भिभ क रूपमे अ ..




भिभ रिचर्ड्स
                                     

ⓘ भिभ रिचर्ड्स

सर इसाक भिभियन एलेक्जेन्डर रिचर्ड्स, केजिएन, ओबिई वेस्ट इन्डिजक पूर्व क्रिकेटर छी। क्रिकेट जगतमे एकर दोसर नाम भिभियन या, भिभ आ किङ्ग भिभ क रूपमे अधिक लोकप्रिय नाम सँ जानल जाइत अछि, रिचर्ड्सके १०० सदस्यसभक विशेषज्ञ प्यानल बीसम शताब्दीक पाँच महान खेलाडीसभक सूचीमे शामिल केनए अछि, ई सूचीमे भिभियन रिचर्ड्सक छोडि सर डोनाल्ड ब्रेडम्यान, सर गैरीफील्ड सोबर्स, सर जैक हब्स आ महान लेग स्पिनर शेन वार्नक नाम सेहो शामिल छल। फरवरी २००२ मे क्रिकेटक बाइबल कहल जाइवला क्रिकेट पत्रिका विजडनद्वारा भिभियन रिचर्ड्सक एक पारीके एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेटक सर्वश्रेष्ठ इनिङ्ग घोषित कएल गेल। ओहि वर्ष दिसम्बरमे विजडन हुनका वनडे क्रिकेटक सर्वकालीन आ टेस्ट क्रिकेटक तीन महान बल्लेबाजसभमेसँ एक घोषित केलक, सवा सौ सालक क्रिकेट इतिहासमे मात्र दुई बल्लेबाज सर डन ब्रेडम्यान आ भारतक सचिन तेन्दुलकरक स्थान हुनकासँ उपर आकल गेल अछि।

                                     

1. व्यक्तित्व आ खेल शैली

रिचर्ड्स दाहिना हाथक एक आक्रामक बल्लेबाज छल, जे गेन्द पर बहुतेक शक्तिसँ प्रहार करैत छल, एकर वाहेक ओ स्लिपक बढिया क्षेत्ररक्षक आ उपयोगी अफ स्पिनर छल। क्रिकेट इतिहासमे हुनका एक एहन बल्लेबाजक रुपमे जानल जाइत अछि, जे कोनो भी तरहक आक्रामणक धज्जी उड़ाबैमे महारत रखैत छल, पूर्व क्रिकेटर, हुंकार समकालीन, क्रिकेट पत्रकार आ ई खेलक प्रशंसक सब रिचर्डसके असाधारण प्रतिभा भेल क्रिकेटर बतौने अछि, रिचर्डसक आक्रमकताक अन्दाज एहिसँ लगाएल जा सकैत अछि कि अपन सत्रह सालक लम्बा क्रिकेट करियरक दौरान ओ कहियो ब्याटिङ्ग करैतकाल हेल्मेटक प्रयोग नै केलक।

                                     

2. व्यक्तिगत जीवन

रिचर्ड्सक विवाह मरियमसँ भेल, जाहिसँ हुनका दुई सन्तान भेल, एक मातारा रिचर्ड्स जे अखन टोरन्टो, क्यानाडामे अछि आ दूसर माली रिचर्ड्स, जे प्रथम श्रेणी क्रिकेटर सेहो छी। भारतीय अभिनेत्री नीना गुप्ताक साथ सेहो हुनकार सम्बन्ध रहल अछि, जाहिसँ हुनका एक बेटी मसाबा गुप्ता अछि। जन्म: 1989.

सन् १९९९ मे क्रिकेटमे अमूल्य योगदानकै देखैत हुनका एन्टिगुआक राष्ट्रिय नायक घोषित कएल गेल आ हुनका अर्डर अफ द नेशनल हिरोक उपाधिसँ सम्मानित कएल गेल।