Back

ⓘ रसायन शास्त्रमे नोबेल पुरस्कार वार्षिक रुपमे रसायन शास्त्रमे उल्लेखनीय योगदान करनिहार वैज्ञानिकसभके शाही विज्ञान स्वीडीश एकेडमीद्वारा प्रदान कएल जाइत अछि । ई ५ ..




रसायन शास्त्रमे नोबेल पुरस्कार
                                     

ⓘ रसायन शास्त्रमे नोबेल पुरस्कार

रसायन शास्त्रमे नोबेल पुरस्कार वार्षिक रुपमे रसायन शास्त्रमे उल्लेखनीय योगदान करनिहार वैज्ञानिकसभके शाही विज्ञान स्वीडीश एकेडमीद्वारा प्रदान कएल जाइत अछि । ई ५ नोबेल पुरस्कार रसायन शास्त्र, रसायन विज्ञान, साहित्य, शान्ति आ क्रिया विज्ञान तथा चिकित्सामे सँ एक छी जकरा सन् १८९५ मे अल्फ्रेड नोबेलक इच्छा अनुसार स्थापना कएल गेछल । ई पुरस्कार नोबेल फाउण्डेशनद्वारा प्रशासित आ एकेडमीद्वारा निर्वाचित पाँच सदस्य होइत अछि जे रसायनशास्त्रक लेल नोबेल समितिके प्रस्तावमे शाही विज्ञान स्वीडीश एकेडमीद्वारा सम्मानित कएल जाइत अछि । ई पुरस्कार प्रत्येक वर्ष दिसम्बर १० मे नोबेलक मृत्युक वार्षिकोत्सवमे एक वार्षिक समारोहमे स्टकहोममे प्रस्तुत कएल जाइत अछि । रसायन शास्त्रक नोबेल पुरस्कारके बहुतेक महत्वक संग वैज्ञानिकसभ देखैत अछि । रसायन शास्त्रक पहिल नोबेल पुरस्कार नेदरल्याण्डक ज्याकब्स हेन्रिक्सके हुनकर खोज "रासायनिक गतिशीलता आ समाधानमे आसमाटिक दवाब नियमसभ"क लेल सम्मानित कएल गेछल ।

                                     

1. पुरस्कार

रसायन शास्त्रमे नोबेल पुरस्कार विजेताके स्वर्ण पदक, एकटा वृत्तान्त देमएवाला डिप्लोमा आ मुद्रा सहितक राशि पाबैत अछि । सम्मानित मुद्राक राशि नोबेल फाउण्डेशनक वार्षिक आय उपर निर्भर करैत अछि । यदि एकेटा पुरस्कार एक सँ बेसी विजेतासभके सम्मानित करल जाइवाला अवस्थामे पैसाके ओहि अनुसार विभाजन करि पुरस्कार पाबैवाला सबके समानरूपमे देल जाइत अछि ।