Back

ⓘ कोटा, राजस्थान. कोटा भारतक राजस्थानक एक प्रमुख उद्योगिक आ शैक्षणिक शहर छी । ई चम्बल नदीक तटमे अवस्थित अछि । कोटा शहर राजधानी जयपुरसँ सडक आ रेलमार्गसँ लगभग २४० क ..




कोटा, राजस्थान
                                     

ⓘ कोटा, राजस्थान

कोटा भारतक राजस्थानक एक प्रमुख उद्योगिक आ शैक्षणिक शहर छी । ई चम्बल नदीक तटमे अवस्थित अछि । कोटा शहर राजधानी जयपुरसँ सडक आ रेलमार्गसँ लगभग २४० किलोमीटरक दूरीमे अवस्थित अछि । ई नगर जयपुर-जबलपुर राष्ट्रिय राजमार्ग १२ मे अवस्थित अछि । दक्षिण राजस्थानमे चम्बल नदीक पूर्वी किनारमे अवस्थित, कोटा ओ शहरसभमे गिनल जाइत अछि जतेक उद्योगीकरण पैग मात्रामे कएल जाइत अछि । कोटा अनेक किला, महल, सङ्ग्रहालय, मन्दिर आ बगैचाक लेल लोकप्रिय अछि । ई शहर नवीनता आ प्राचीनताक गजब मिश्रण अछि, जतेएक तरफ शहरक स्मारक प्राचीनताको बोध कराबैत अछि तँ चम्बल नदीमे बनल हाइड्रोइलेक्ट्रिक प्लान्ट आ न्युक्लियर पावर प्लान्ट आधुनिकताक एहसास कराबैत अछि ।

                                     

1. भूगोल

कोटा चम्बल नदीक पूर्वी तटमे अवस्थित अछि । ई क दक्षिणी भागमे अछि । एकर भौगोलिक निर्देशाङ्क २५.१८°N ७५.८३°E  / 25.18; 75.83 अछि । एकर क्षेत्रफल १२,१३६ किमी २ राजस्थान राज्यक ३.६३ % भूभाग अछि । एकर औसत उचाई २७१ मिटर ८८९ फिट अछि ।

                                     

2. इतिहास

प्रारम्भमे कोटा बुन्दी राज्यक एक भाग छल । मुगल शासक जहाँगीर जब बुन्दीक शासकसभके पराजित केलक तब कोटा सन् १६२४ मे एक स्वतन्त्र राज्यक रूपमे स्थापित भेल । राव माधो सिंह एतयक प्रथम स्वतन्त्र शासकक रूपमे गद्दीमे बैसल । सन् १८१८ मे कोटा ब्रिटिश साम्राज्यक अधीन भऽ गेल ।

                                     

3. प्रमुख आकर्षण

सिटी फोर्ट दरबार

चम्बल नदीक पूर्वी तटमे १७अम शताब्दीमे बनल ई किला कोटाक मुख्य आकर्षण छी । ई किलाक परिसर राजस्थानक सबसँ विशाल किला परिसरसभमे सँ एक छी । १७अम शताब्दीमे बनल हात्ति पोल किलामे प्रवेशक सुन्दर प्रवेशद्वार अछि ।

राव माधो सिंह सङ्ग्रहालय

ई सङ्ग्रहालय पुरान महलमे अवस्थित अछि आ एकरा राजस्थानक सबसँ सुन्दर सङ्ग्रहालयसभमे गिनल जाइत अछि । कोटा राज्यक प्रथम शासक राव माधो सिंहक नाममे सङ्ग्रहालयक नाम राखल गेल अछि । सङ्ग्रहालयमे कोटाक सुन्दर दावालचित्र, मूर्ति, तस्वीर, हतियार आ शाही वंश सम्बन्धित अनेक वस्तुसभ देखल जा सकैत अछि ।

चम्बल बगैंचा

ई एक सुन्दर पिकनिक स्थल छी आ एतय मगरमच्छ ताल देखल जा सकैत अछि । ई बगैंचा चम्बल नदी आ अमर निवासक नजदिक अवस्थित अछि ।

देवताजीक हवेली

देवताजीक हवेली राजस्थानक सबसँ सुन्दर भवनसभमे एक छी । कोटाक ई हवेली अद्भुत दवालचित्र आ चित्रकारीक लेल प्रसिद्ध अछि ।

                                     
  • एकर बढ ए व क प ड य क र सह यत कऽ सक त छ क ट भ रत य र ज य र जस थ न कs एक ज ल छ ज ल कs म ख य लय क ट अछ क ष त रफल - 12, 436 वर ग क म
  • ब ड ल भ रत य र जन त छ वर तम नम ओ भ रतक ल कसभ क अध यक ष छ ओ भ रतक क ट ल क सभ न र व चन क ष त र स भ रत य जनत प र ट क स ह र ल क सभ म स सद छ
  • लक ष मणगढ भ रतक र जस थ न र ज यक स कर ज ल म रहल एक शहर छ स कर ज ल म लक ष मणगढ उप प रभ गम उप प रभ ग य म ख य लय छ लक ष मणगढ स कर ज ल म तहस ल
  • श ल पक स म न खर दल ज सक त अछ एतय सङ गमरमर पत थर स बनल म र त सभ आ स त क ट स ड सभ बह त क ल कप र य अछ एतय रहल द क नसभस च द क आभ षणसभ स ह खर दद र

Users also searched:

...
...
...