Back

ⓘ रायपुर भारतीय राज्य छत्तिसगढमे अवस्थित रायपुर जिलाएक शहर छी । ई शहर राजधानी होमएक संगे रायपुर जिलाक प्रशासनिक मुख्यालय छी । ई छत्तिसगढक सभसँ पैग शहर सेहो छी । स ..




                                               

महामाया मन्दिर

महामाया मन्दिर, बहुतो स्थान पर अछि, जहिमे सँ ई किछ प्रमुख छी - महामाया मन्दिर, जम्मू महामाया मन्दिर, रतनपुर महामाया मन्दिर, रायपुर महामाया मन्दिर, मोदीनगर महामाया मन्दिर, अम्बिकापुर महामाया मन्दिर, सरगुजा

                                               

भिलाई

भिलाई शहर करीबन भारतके मध्यमे बसल अछि। ५,५३,८३७ कs जनसंख्याके साथ, भिलाई भारतक छत्तीसगढ़ राज्य कs दोसर बड़का शहर छी। मुम्बई-नागपुर-बिलासपुर-कोलकाता राष्ट्रीय राजमार्ग ६ पर स्थित, छत्तीसगढ़ कs राजधानी रायपुर सं लगभग ३० किलोमीटर पश्चिममे भारतीय इस्पात प्राधिकरणके अंतर्गत एकीकृत इस्पात संयंत्रके लेल जगप्रसिद्ध शहर शिक्षा आर खेलके क्षेत्रमे सहो नाम राखैत अछि।

रायपुर
                                     

ⓘ रायपुर

रायपुर भारतीय राज्य छत्तिसगढमे अवस्थित रायपुर जिलाएक शहर छी । ई शहर राजधानी होमएक संगे रायपुर जिलाक प्रशासनिक मुख्यालय छी । ई छत्तिसगढक सभसँ पैग शहर सेहो छी । सन् २००० नवम्बर १ मे छत्तिसगढ राज्य स्थापना होमएसँ पहिने ई मध्य प्रदेशक भाग छल ।

                                     

1. इतिहास

पुरान भवन आ किलाक अवशेषमे आधारित किछ इतिहासविद्क मान्यतानुसार ई शहर ९आम शताब्दीसँ अस्तित्वमे अछि । मुदा प्राय लोकक माननाए अछि कि ई शहर १४आम शताब्दीमे बैसाएल गेछल ।

                                     

2. जनसाङ्ख्यिकी

सन् २०११ क भारतक जनगणनाक अनुसार रायपुरक जनसङ्ख्या १०,१०,०८७ अछि । एतयक लिङ्गानुपात ९४६ महिलासभ प्रति १००० पुरुषक अछि । रायपुरक साक्षरता दर ८६.९०% अछि, पुरुषसभक साक्षरता दर २९.३९% आ महिलासभक साक्षरता दर ८१.१०% अछि ।

                                     

3. भूगोल आ जलवायु

रायपुर खारुन नदीक तटमे बैसल छत्तिसगढक सबसँ पैग शहर छी । रायपुर एक पैग मैदान छत्तिसगढक मैदान क मध्यमे अवस्थित अछि जे धान का कटोरा क नामसँ सेहो जानल जाइत अछि । रायपुरक पूर्वमे महानदी नदी बहैत अछि। उत्तर-पश्चिमममे मैकालक पहाडी अछि । उत्तरी तरफ छोटा नागपुरक पठार आ दक्षिणमे बस्तरक पठार अछि । रायपुर मुम्बई-हावडा रेल लाइनमे अवस्थित अछि आ ई सम्पूर्ण महत्वपूर्ण शहरसभसँ जुडल अछि । राष्ट्रिय राजमार्ग ६ एहो शहर भऽ गुजरैत अछि आ अन्तिममे ४३ शहरसभ भऽ विशाखापट्नमधरि जाइत अछि । रायपुर मुम्बई, दिल्ली आ अन्य शहरसभसँ हवाई मा‍र्गद्वारा जुडल अछि । रायपुरक हवाई अड्डा माना मे अछि ।

तापक्रम: गर्मीमे ४५ सँ २९ सेल्सियस जाडमे २७ सँ १० सेल्सियस वर्षा लगभग १२० मिमी जुलाईसँ सितम्बर

                                     

4. नव रायपुर

सन् २००० मे स्थापना भेल छत्तिसगढ राज्यक राजधानी रायपुरक प्रशासनिक केन्द्र नव रायपुर मे स्थानान्तरण करैलेल प्रस्ताव कएल गेल अछि । ई एक विश्व स्तरीय परियोजना छी जाहिमे वर्तमान रायपुरसँ २५ किमी दूर एक नव शहरक सृजन होइत । एकर लेल एक पैग क्षेत्रक भूमिक अर्जन कएल जा रहल अछि । नव रायपुरक लेल समग्रमे ८०,००० हेक्टेयर भूमि अर्जित कएल जाइत । नव रायपुरमे २२५ किमी पक्की सडक अछि । नव रायपुरक परसदा क्षेत्रमे अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट स्टेडियम बनाएल केल गेल अछि ।