Back

ⓘ पृथ्वीनारायण शाह. श्री ५ बडामहाराजाधिराज पृथ्वीनारायण शाह गोरखा राज्यक अन्तिम राजा आ नेपाल अधिराज्यक पहिल शाहवंशीय राजा छल। छोट छोट राज्य रजौटामे रहल बाइसे तथा ..




                                               

चौतरिया

शाहकालीन नेपालमे प्रधानमन्त्री सरहको पदके चौतरिया कहि सम्बोधन कएल जाएत छल । पृथ्वीनारायण शाह सँ जङ्गबहादुर राणाक उदय नैभेल धरि चौतरिया पदक प्रयोग भेल पाबल गेल अछि ।

                                               

प्रतापसिंह शाह

प्रताप सिंह शाह पृथ्वी नारायण शाहक जेठ बेटा चिए। २७ वर्षक उमेरमें राजा भेल हिहो अपन पिता जेका चरम महत्त्वाकांक्षी आर तेजस्वी छेल । हिन्कर समयमें भुवनेश्वर, कविलासी, विजयपुर, तनहुँ, सुमेस्वर जेना ठासभमें नेपाल राष्ट्रमें गोभल छेल । वि.सं. १८३२ में नेपाल-तिब्बत व्यापारमें वृद्धि केलक ।

पृथ्वीनारायण शाह
                                     

ⓘ पृथ्वीनारायण शाह

श्री ५ बडामहाराजाधिराज पृथ्वीनारायण शाह गोरखा राज्यक अन्तिम राजा आ नेपाल अधिराज्यक पहिल शाहवंशीय राजा छल। छोट छोट राज्य रजौटामे रहल बाइसे तथा चौबिस राज्यसभक एकत्रित करि देशक एकीकरण केनिहार हिनका आधुनिक नेपालक राष्ट्रनिर्माताक रूपमे जानल जाएत अछि ।हिनकर यादमे प्रति वर्ष पुष २७ गते नेपालमे राष्ट्रिय एकता दिवस मनाएल जाएत अछि।

पृथ्वीनारायण शाहद्वारा सुरू कएल गेल नेपाल एकीकरण अभियान बढ़ैत बढ़ैत नेपाल राज्यक सीमा पूर्वमे टिस्टा नदी, दक्षिणमे मगध आ पश्चिममे सतलज नदी धरि विस्तार भेल। पाछा नेपाल अङ्ग्रेज युद्धक बाद सुगौली सन्धि धरि ई भू-भागसभ नेपालक अधिनस्थ रहल छल। नेपालक इतिहासक शीर्षस्थ पुरूष पृथ्वीनारायण शाहक वि.सं. १८३१ मकर सङ्क्रान्तिक दिन ५२ वर्षक उमरमे नुवाकोट जिलाक देवीघाटमे देहावसान भेल छल। एकार बाद नेपाल एकीकरण अभियान हिनकर पुतहू रानी राजेन्द्र लक्ष्मी आ पुत्र बहादुर शाहद्वारा आगा बढाएल गेल।

बेलकोट गढी
                                               

बेलकोट गढी

बेलकोट गढी नुवाकोट जिलाक बेलकोट गाविसमे अवस्थित ऐतिहासिक महत्वक स्थान अछी । पृथ्वीनारायण शाह नेपाल एकीकरण अभियानक शुरुवातमे नुवाकोट आक्रमणक लेल बेल्कोट गढी निर्माण केने छल । समुन्द्र सतहसँ करिब दुईहजार दुईसय मिटरक उचाईमे निर्मित बेल्कोट गढीके रणनीतिक एवं सामरीक दृष्टिकोणसँ समेत महत्वपूर्ण मानैत अछी ।