Back

ⓘ श्रीनगर भारतके जम्मू आ कश्मीर प्रान्त कs राजधानी छी। कश्मीर घाटीके मध्यमे बसल इ नगर भारतके प्रमुख पर्यटन स्थलसभमे सं एक छी। श्रीनगर एक दिस जेतs डल झीलके लेल प्र ..




                                               

कश्मीर उपत्यका

कश्मीर उपत्यका आ भेल अफ कश्मीर एकटा उपत्यका छी जे काराकोरम तथा पीर पन्जल श्रेणीक बीचम भारतक जम्मू आ कश्मीर राज्यम अवस्थित अछि । हाल ई उपत्यकाक कोनो क्षेत्रम पाकिस्तानक आधिकार नै अछि । एकर क्षेत्रफल लगभग १३५ कि.मी. लम्बा तथा ३२ किमी चौडा रहल अछि जे झेलम नदीसँ सुरु होइत अछि ।जम्मू तथा कश्मीर राज्यक तीन राज्य विभाजन भितर आववाला ई उपत्यका अनन्तनाग, बारामुल्ला, बदगम, बन्दीपोर, गन्देरबाल, कुपवारा, कुलगाम, पुलवामा, शोफियाँ तथा श्रीनगर जिलाम अवस्थित अछि । एकरा पृथ्वीक स्वर्ग सेहो कहल जाईत अछि ।

                                               

डल ताल

डल ताल जम्मू आर कश्मीरक गृष्म कालिन सदरमुकाम श्रीनगरमऽ अवस्थित एकटा ताल छी । एकर क्षेत्रफल लगभग १८ वर्ग किलोमिटर रहल अछि। १८ किलोमीटर क्षेत्रमे फैलल ई झील तीन दिशासभसँ पहाडसभसे घेरल अछि। जम्मू-कश्मीरक दोसर सबसँ पैग ताल छी । एहिमे सोतोंसँ जल आवैत अछि सँगे कश्मीर उपत्यकाक अनेक ताल आवि अहिमे मिलैत अछि। एकर चार प्रमुख जलाशय छी गगरीबल, लोकुट डल, बोड डल तथा नागिन। लोकुट डलके मध्यमे रूपलंक द्वीप स्थित अछि तथा बोड डल जलधाराके मध्यमे सोनालंक द्वीप स्थित अछि। भारतक सबसँ सुन्दर तालमे एकर नाम लेल जाति अछि । नजदिकमे स्थित मुगल वाटिकासँ डल झीलक सौन्दर्य अप्रतिम नजर आवैत अछि। पर्यटकसभ जम्मू-कश्मीर आवि आ ...

श्रीनगर
                                     

ⓘ श्रीनगर

श्रीनगर भारतके जम्मू आ कश्मीर प्रान्त कs राजधानी छी। कश्मीर घाटीके मध्यमे बसल इ नगर भारतके प्रमुख पर्यटन स्थलसभमे सं एक छी। श्रीनगर एक दिस जेतs डल झीलके लेल प्रसिद्ध अछि ओही दोसर दिस विभिन्न मंदिरसभक लेल विशेष रूपसं प्रसिद्ध अछि।

१७०० मीटर ऊंचाई पर बसल श्रीनगर विशेष रूपसं झीलसभ आर हाऊसबोटक लेल जानल जाइत अछि। एकर अलावा श्रीनगर परम्परागत कश्मीरी हस्तशिल्प आर सूखल मेवाके लेल सहो विश्व प्रसिद्ध अछि। श्रीनगरक इतिहास बहुत पुरान अछि। मानल जाइत छै कि इ जगहक स्थापना प्रवरसेन द्वितीय द्वारा २००० वर्ष पूर्व कएल गेल छल।

                                     

1. डल झील

श्रीनगरक सबसं बडका आकर्षण अही ठामक डल झील छी। भोरेसं शाझ धरि रौनक नजर आबैत अछि। सैलानी घंटों एकर किनारमे धुमैत रहैत छै आ शिकारमे बैठ नौका विहारक लुत्फउठाबति अछि। दिनके हर प्रहरमे इ झीलक खूबसूरती कs कोई अलग रंग दिखाई दैत अछि।

                                     

2. आवागमन

वायु मार्ग सड़क मार्ग विभिन्न शहरसभसं दूरी

जम्मू- २९३ किलोमीटर लेह- ४३४ किलोमीटर कारगिल- २०४ किलोमीटर गुलमर्ग- ५२ किलोमीटर दिल्ली- ८७६ किलोमीटर चंडीगढ़- ६३० किलोमीटर