Back

ⓘ आगरा भारतक उत्तरी राज्य उत्तर प्रदेशक यमुना नदीक किनारमे अवस्थित एक शहर छी । ई राज्य राजधानी लखनउसँ ३७८ किलोमिटर पश्चिममे आ राष्ट्रिय राजधानी दिल्लीसँ २०६ किलोम ..




                                               

आधुनिक विश्वक सात आश्चर्यसभ

आधुनिक विश्वक सात आश्चर्यसभ सन् २००० सँ सुरु भ विश्वक २०० टा विद्यमान प्राचिन स्मारकसभ मेसँ विश्वक आश्चर्यसभक रूपमे चुनल गएल स्मारकसभ छी ।

आगरा
                                     

ⓘ आगरा

आगरा भारतक उत्तरी राज्य उत्तर प्रदेशक यमुना नदीक किनारमे अवस्थित एक शहर छी । ई राज्य राजधानी लखनउसँ ३७८ किलोमिटर पश्चिममे आ राष्ट्रिय राजधानी दिल्लीसँ २०६ किलोमिटर दक्षिणमे आ ग्वालियर शहरसँ १२५ किलोमिटर उत्तरमे अवस्थित अछि । सन् २०१३ के अनुमानित जनगणना अनुसार आगराक जनसङ्ख्या १६८६९९३ अछि, ई उत्तर प्रदेशक सभसँ बेसी जनसङ्ख्या भेल शहरसभमे सँ एक आ भारतमे सभसँ जनसङ्ख्या भेल १९अम शहर छी ।

                                     

1. इतिहास

आगरा एक ऐतिहासिक नगर छी, जकर प्रमाण एकर चारो तरफ रहल धरोहरसभसँ लगाएल जा सकैत अछि । ओना तँ आगराक इतिहास मुख्य रूपसँ मुगल कालसँ जानल जाइत अछि मुदा एकर सम्बन्ध महर्षि अङ्गिरासँ अछि जे १००० वर्ष ईसा पूर्व भेछल । इतिहासमे पहिल जिक्र आगराक महाभारतक समयसँ भेल छल, जब एकरा अग्रवाण वा अग्रवन क नामसँ सम्बोधित करल जाइत छल । कहल जाइत अछि कि पहिने ई नगर आर्यग्रहक नामसँ सेहो जानल जाइत छल । तौलमी पहिल ज्ञात व्यक्ति छल जकर एकरा आगरा नामसँ सम्बोधित केलक ।

आगरा शहरके सिकन्दर लोदी सन् १५०६ मे बसेनाए छल । आगरा मुगल साम्राजयक चहेती स्थान छल । आगरा सन् १५२६सँ सन् १६५८धरि मुगल साम्राज्यक राजधानी रहल । आई सेहो आगरा मुगलकालीन इमारतसभ जेना - ताज महल, लाल किला, फतेहपुर सिकरी आदिक कारणसँ एक विख्यात पर्यटन स्थल छी । ई तीनो इमारतसभ युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्रक सूचीमे सामिल अछि । बाबर मुगल साम्राज्यक जनक एतय चौकोर आयताकार आ वर्गाकार बगैंचासभक निर्माण करेलक ।

                                     

2. पर्यटन क्षेत्र

ताजमहल

ताजमहलक निर्माण मुगल सम्राट शाहजहाँ, अपन घरवाली मुमताज महलक यादमे करेनाए छल । ताज महल मुगल वास्तुकलाक उत्कृष्ट नमूना छी । एकर वास्तुकला शैली फारसी, टर्की, भारतीय तथा इस्लामिक वास्तुकलाक घटकसभक अनौठा मिश्रण छी । सन् १९८३ मे, ताजमहल युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्र बनल । एकर संगे, इकरा विश्व सम्पदाक सर्वत्र प्रशंसा पाबएवाला, अत्युत्तम मानवीय कृति सभ मे सँ एक बतागएल अछि । ताजमहलके भारतक इस्लामी कलाक रत्न सेहो घोषित कएल गएल अछि । साधारणतया देखाबएवाला सङ्गमर्मरक चदरासभक पैग-पैग तहसँ छारएलेल बनाएल भवनसभ जोका नै बनाए एकरा श्वेत गुम्बद तथा टाइल आकारमे सङ्गमर्मरसँ छारल गएल अछि । केन्द्रमे बनाएल समाधिस्थल अपन वास्तु श्रेष्ठतामे सौन्दर्यक संयोजनक परिचय देवैत अछि । ताजमहल भवन समूहक संरचनाक खास बात ई अछि, कि ई पूर्णतया समतिताकार अछि । एकर निर्माण सन् १६४८ क लगभगममे पुरा भएल छल । उस्ताद अहमद लाहौरीके प्रायः एकर प्रधान शिल्पकार मानल जाएत अछि ।