Back

ⓘ परमानन्द झा नेपालक वर्तमान उपराष्ट्रपति आर सर्वोच्च अदालतक भुतपूर्व न्यायाधीश छी । ओ दरभंगा, बिहार, भारतमे जन्मल आर ओतए बड भेल। उनका लागु औषधक मुद्दामे घुस खाएल ..




परमानन्द झा
                                     

ⓘ परमानन्द झा

परमानन्द झा नेपालक वर्तमान उपराष्ट्रपति आर सर्वोच्च अदालतक भुतपूर्व न्यायाधीश छी । ओ दरभंगा, बिहार, भारतमे जन्मल आर ओतए बड भेल। उनका लागु औषधक मुद्दामे घुस खाएल आरोप लगल छल । ओही कारण न्यायपरिषद स्थायी न्यायाधीशक पदमे उनका अनुमोदन नै केलक । अन्तमे ओ डिसेम्बर २००७मे न्यायाधीशक पदसँ राजिनामा देलक । बादमे, ओ राजनैतिक क्रियाकलापमे शामिल भेल आर मधेसी जनाधिकार फोरमक सदस्य बनल । श्रावण ४ मे, ओ संविधान सभा द्वारा नेपालक उपराष्ट्रपतिमे निर्वाचित भेल । उनका मधेसी जनाधिकार फोरम उम्मेद्वारक रूपमे खडा केनए छल ।

                                     

1. पदावधी

ओ श्रवण ८ गतेक दिन सितल निवासमे राष्ट्रपति रामवरण यादवसँ तत्कालिन प्रधानमन्त्री गिरिजा प्रसाद कोइरालाक उपस्थितिमे उपराष्ट्रपति पदक शपथ ग्रहण करी ओ कार्यकाल शुरु केलक ।