Back

ⓘ जन गण मन, भारतक राष्ट्रगान छी जे मूलतः बङ्गालीमे गुरुदेव रवीन्द्रनाथ ठाकुरद्वारा लिखल गेल छल। भारतक राष्ट्रिय गीत वन्दे मातरम्‌ छी । भारतक राष्ट्रगानक गायनक अवध ..




जन गण मन
                                     

ⓘ जन गण मन

जन गण मन, भारतक राष्ट्रगान छी जे मूलतः बङ्गालीमे गुरुदेव रवीन्द्रनाथ ठाकुरद्वारा लिखल गेल छल। भारतक राष्ट्रिय गीत वन्दे मातरम्‌ छी ।

भारतक राष्ट्रगानक गायनक अवधि लगभग ५२ सेकेण्ड अछि । किछ अवसरसभ पर राष्ट्रगान संक्षिप्त रूपमे सेहो गायल जाइत अछि, एहिमे प्रथम तथा अन्तिम पङ्क्ति मात्र बोलैत अछि जाहिमे लगभग २० सेकेण्डक समय लागैत अछि । भारतक संविधान सभा जन-गण-मन कें भारतक राष्ट्रगानक रुपमे २४ जनवरी १९५० कें अपनेनाए छल । एकरा सर्वप्रथम २७ दिसम्बर १९११ कें भारतीय राष्ट्रिय काङ्ग्रेसक कलकत्ता अधिवेशनमे बंगाली भाषा आ हिन्दी मे गायल गेछल । पुरे गानमे ५ पद अछि ।