Back

ⓘ विचित्रवीर्य सत्यवती आ शान्तनुक चित्राङ्गद आ विचित्रवीर्य नामक दुई पुत्र भेल । शान्तनुक स्वर्गवास चित्राङ्गद आ विचित्रवीर्यके बाल्यकालमे भ गेछल याह कारण ई दुनुक ..




                                     

ⓘ विचित्रवीर्य

विचित्रवीर्य सत्यवती आ शान्तनुक चित्राङ्गद आ विचित्रवीर्य नामक दुई पुत्र भेल । शान्तनुक स्वर्गवास चित्राङ्गद आ विचित्रवीर्यके बाल्यकालमे भ गेछल याह कारण ई दुनुके पालन पोषण भीष्मद्वारा कएल गेछल । भीष्म चित्राङ्गदके पैग भेला बाद हस्तिनापुरक राजगद्दी पर बैसाएल गेल मुदा किछ समयबाद ओ गन्धर्वसभसँ युद्ध करैत समय चित्राङ्गद मारल गेल । एकर बाद भीष्म हुनकर अनुज विचित्रवीर्यके राज्य सौंपि देलक । आब भीष्मके विचित्रवीर्यक विवाहक चिन्ता भेल। अम्बिका आ अम्बालिकाक विवाह विचित्रवीर्यक संग ओ कराए देलक । विचित्रवीर्य अपन दुनु रानिसभक साथ भोग विलासमे रत भ गेल मुदा दुनु रानीसभसँ हुनका कोनो सन्तान नै भेल आ ओ क्षय रोगसँ पीड़ित भ ओकर मृत्यु भेल ।