Back

ⓘ मङ्गोलिया. मङ्गोल साम्राज्य सन् १२०६मे चंगेज खाँ स्थापना केने छल । मङ्गोलियामे चीन दुई सय वर्ष शासन केलक तँ पूर्वसोभियत संघ एकरा ७० वर्ष नियन्त्रणमे लेलक । ई सन ..




मङ्गोलिया
                                     

ⓘ मङ्गोलिया

मङ्गोल साम्राज्य सन् १२०६मे चंगेज खाँ स्थापना केने छल । मङ्गोलियामे चीन दुई सय वर्ष शासन केलक तँ पूर्वसोभियत संघ एकरा ७० वर्ष नियन्त्रणमे लेलक । ई सन् १९११मे चीनसँ स्वतन्त्रताक घोषणा करलाक बाद पूर्ण स्वतन्त्रता तँ सन् १९२१मे मात्र पावने अछि । परन्तु, ई विश्व समुदायसँ अलग मुलुकक रूपमे सन् १९४५मे मात्र मान्यता पावने छल । परन्तु, सन् १९२४ सँ मङ्गोलिया पुनः सोभियत संघक नियन्त्रण -प्रभावमे गेल । सन् १९८९मे सोभियत संघ विघटन भेलाक बाद सन् १९९०मे मङ्गोलियामे सेहो लोकतान्त्रिक आन्दोलन भेल । सन् १९९२मे नयाँ लोकतान्त्रिक संविधान बनलाक बाद मङ्गोलिया संसदीय व्यवस्था आ उदार अर्थतन्त्रक युगमे प्रवेश केलक ।

                                     

1. भूगोल

मङ्गोलियाक दक्षिण, पूर्व आ पश्चिममे चीन आ उत्तरमा रुस अछि । मङ्गोलिया क्षेत्रफलक दृष्टिसँ काजकस्तान के बाद दोसर पैग भूपरिवेष्ठित मुलुक छी। मङ्गोलियाक राजधानी उलानबटोर विश्वमे सबसँ अधिक ठण्डा होए वाला राजधानी मानल जाइत अछि ।

गोबी मरुभूमि
                                               

गोबी मरुभूमि

गोबी मरुभूमि, चीन कब्जा कएल तिब्बत क्षेत्र आ मङ्गोलियामे अवस्थित अछि । ई विश्वक पैग मरुभूमि मध्ये एक छी । गोबी दुनियाक ठण्डा मरुभूमि मध्ये एक छी, एकर तापक्रम शून्यसँ चालीस डिग्री नीचा धरि पुगैत अछि । ई मरुभूमि एसियामे मङ्गोलियाक बहुत ठाम धरि विस्तार भेल अछि । गोबी एक मङ्गोलियन शब्द छी, जकर अर्थ जलरहित स्थान होएत अछि ।