Back

ⓘ पासाङ ल्हामु शेर्पा वा पासाङ ल्हमो शरपा शेर्पा, सर्वोच्च शिखर सगरमाथा आरोहण कएनिहार प्रथम नेपाली महिला छी । ओ सन् १९९३ अप्रैल २२ मे सगरमाथाक सफल आरोहण केनए छल । ..




पासाङ ल्हामु शेर्पा
                                     

ⓘ पासाङ ल्हामु शेर्पा

पासाङ ल्हामु शेर्पा वा पासाङ ल्हमो शरपा (शेर्पा, सर्वोच्च शिखर सगरमाथा आरोहण कएनिहार प्रथम नेपाली महिला छी । ओ सन् १९९३ अप्रैल २२ मे सगरमाथाक सफल आरोहण केनए छल । एहिसँ पहिने हुनकर तीन बेर सगरमाथा आरोहण करिक प्रयास असफल भेछल । ओ सगरमाथाक दक्षिणी मोहडासँ आरोहण केनए छल । सगरमाथाक शिखरसँ पति सोनाम छिरिङसंग घुमैतकाल हुनकर मृत्यु भेछल ।

सगरमाथाक सफल आरोहण करिसँ पहिने ओ मोन्ट ब्लाङ्क, चोयु हिमालय तथा अन्य हिमालयसभक सफल आरोहण केनए छल ।

                                     

1. जीवनी

पासाङके जन्म सोलुखुम्बु जिलाक चौरीखर्क, लुक्ला सुर्के-४ मे सन् १९६१ दिसम्बर १० मे भेछल । पिता फूर्वा कितार शेर्पासंग १४ वर्षक छोट उमरसँ ओ हिलडुल करैलेल आरम्भ क देनए छल । अपन घरक एकमात्र बेटी पासाङ सन् १९७९ मे पूर्णरूपसँ ट्रेकिङ पेशामे लागल छल । सन् १९९० आ ओकरबाद लगातार दुई वर्ष सगरमाथा आरोहण करिक हुनकर योजना असफल भेछल ।