Back

ⓘ रामानाथस्वामी मन्दिर. रामेश्वरम हिन्दूसभक एक पवित्र तिर्थस्थल छी । तमिलनाडुक रामनाथपुरममे अवस्थित ई तिर्थस्थल हिन्दूसभक चारि धामसभमेसँ एक छी । एकर अतिरिक्त एहिठ ..




रामानाथस्वामी मन्दिर
                                     

ⓘ रामानाथस्वामी मन्दिर

रामेश्वरम हिन्दूसभक एक पवित्र तिर्थस्थल छी । तमिलनाडुक रामनाथपुरममे अवस्थित ई तिर्थस्थल हिन्दूसभक चारि धामसभमेसँ एक छी । एकर अतिरिक्त एहिठाम स्थापित शिवलिङ्ग बाह्र ज्योतिर्लिंगसभमे एक मानल जाएत अछि । भारतक उत्तरमे रहल काशीक जे मान्यता अछि, दक्षिणमे रहल रामेश्वरम ओहि अनुरुप मान्यता रहल अछि । रामेश्वरम चेन्नईसँ लगभग चारि सय पच्चिस माइल दक्षिण-पूर्वमे रहल अछि । ई हिन्द महासागर आ बंगालक खाडी सँ चारोदिससँ घेरल एकटा सुन्दर सङ्ख आकारक द्वीप छी । पहिने ई द्वीप भारतक मुख्य भूमि सँ जोड़ल छल, मुदा बादमे सागरक ज्वारसभासँ एकरा जोड़वाला भागके काटल गेलाकें बादमे, ई चारोदिससँ पानिसँ घेरल आ टापुमे परिणत भेल । हिन्दुसभक विश्वास अनुसार एहिठाम भगवान राम श्रीलङ्काउपर चढ़ि पहिने पथरक सहायतासँ सेतुक निर्माण केनए छल, जाहिमे चढ़ि वानर सेना श्रीलङ्का पुगल छल आ विजय भेछल । बादमे राम विभीषणक आज्ञासँ धनुषकोटि नामक स्थानमे एहि सेतुकें तोड़ने छल ।

                                     

1. अन्य तीर्थ

सीता कुण्ड

रामेश्वरमक समुन्द्रमे बहुत विशेष स्थान एकर रहल अछि, जहिठाम स्नान कएलासँ पाप-नाश होइत अछि से मान्यता रहल अछि । रामनाथजीक मन्दिरक पूर्वी द्वारक अगाड़ी बनल सीताकुंड एहि सभमे मुख्य रहल अछि । कहल जाइत अछि कि ई ओ स्थान छी, जाहिठाम सीताजी अपन सतीत्व सिद्ध करवाकलेल अग्निमे प्रवेश केनए छथि । सीताजी ई करवासँ पूर्व ही आगि बुझि गेल आ अग्नि-कुण्डसँ पानि निकलऽ लागल छल । ओही स्थानक हाल ‘सीताकुण्ड’ कहैत अछि । अत; समुन्द्रक तट आधा गोलाकार अछि । सागर एकदमै शान्त होइत अछि । एही करण ई ताल जेना देखैमे लागैत अछि । एहिठाम बिना कोनो खतराक स्नान करि सकैत छी । एही हनुमान कुण्डमे हेलैत पत्थलसभ सेहो देखाई देइत अछि ।

आदि-सेतु

रामेश्वरमसँ सात माइल दक्षिणमे एकटा स्थान अछि, जकरा ‘दर्भशयनम्’ कहल जाइत अछि, एहि ठाम राम पहिले समुन्द्रमे सेतु बनाबक कार्य शुरू केनए छल । एहि कारण ई स्थानके आदि सेतु सेहो कहल जाएत अछि ।

                                     

2. रामेश्वरम शहर

रामेश्वरमक समुन्द्रमे विभिन्न प्रकारक समुन्द्री सङ्ख आ सीप पाओल जाएत अछि । कोनो-कोनो ठाम उज्जर रङ्गक बडियास मुङ्गा सेहो भेटैत अछि । रामेश्वरम मात्र धार्मिक महत्वक तिर्थ नै भऽ, प्राकृतिक सौन्दर्यक दृष्टिसँ सेहो दर्शनीय स्थल अछि । चेन्नईसँ रेल-गाडीक यात्रिसभ करीब बाईस घन्टामे रामेश्वरम पुगैत अछि ।