Back

ⓘ विदेह आर्काइभ विदेह पत्रिका द्वारा संचालित छै जाहिमे मैथिलीक पोथी-पत्रिका, आडियो, भीडियो, मिथिला चित्रकला आधुनिक चित्रकला आ चित्र मिथिलाक वनस्पति एवं जीव-जंतु, ..




                                     

ⓘ विदेह आर्काइभ

"विदेह आर्काइभ" विदेह पत्रिका द्वारा संचालित छै जाहिमे मैथिलीक पोथी-पत्रिका, आडियो, भीडियो, मिथिला चित्रकला/ आधुनिक चित्रकला आ चित्र मिथिलाक वनस्पति एवं जीव-जंतु, मिथिलाक जीवन आदिक क्रमशः पी.डी.एफ फाइल आ फोटो सभ देल गेल छै। एहि अर्काइभकेँ चित्र-शब्दकोश कही तँ गलत नै।

                                     

1. मैथिली पोथी डाउनलोड Maithili Books Download

लगभग 400 पोथी एवं पत्रिकाक अंकक पी.डी.एफ फाइल एहिठाम राखल गेल अछि जकरा पाठक बिना कोनो कीतमकेँ डाउनलोड कऽ पढ़ि सकै छथि। ई एकटा विशिष्ट आनलाइन पुस्तकालय अछि। एहि पुस्तकालय केर मुख्य आकर्षण पंजी केर मूल पृष्ठ सभहँक स्पष्ट फोटो अछि।

                                     

2. मैथिली वीडियोक संकलन Maithili Videos

एहि खंडमे समन्वय 2-4 नवम्बर 2012 इण्डिया हैबीटेट सेन्टर भारतीय भाषा महोत्सव केर वीडियो, विदेह सम्मान उर्फ समानान्तर साहित्य अकादेमी सम्मान समारोह एवं अन्याअन्य संस्था द्वारा मनाओल विद्यापति पर्वक भीडियो अछि

                                     

3. मिथिला चित्रकला/ आधुनिक चित्रकला आ चित्र Mithila Painting/ Modern Art and Photos

एहि खंडमे मिथिलाक वनस्पति स्लाइड शो, मिथिलाक जीव-जन्तु स्लाइड शो, मिथिलाक जिनगी स्लाइड शो, श्वेता झा चौधरी, तुनिशा प्रियम, प्रीति ठाकुर, तूलिका, उमेश कुमार महतो आदिम मिथिला चित्रकला, कैलास कुमार मिश्र - यायावरी फोटो संगे-संग बहुत रास कर्यक्रमक फोटो सभ राखल गेल अछि