Back

ⓘ सायरस मिस्त्री. साइरस पल्लोनजी मिस्त्री भारतीय मूलक एक आयरिश व्यापारी छी, जे कि एक भारतीय व्यापार सङ्गठन टाटा समूहक सन् २०१२ आ सन् २०१६ के बीच अध्यक्ष पद पर रहल ..




सायरस मिस्त्री
                                     

ⓘ सायरस मिस्त्री

साइरस पल्लोनजी मिस्त्री भारतीय मूलक एक आयरिश व्यापारी छी, जे कि एक भारतीय व्यापार सङ्गठन टाटा समूहक सन् २०१२ आ सन् २०१६ के बीच अध्यक्ष पद पर रहल ।ओ टाटा समूह के छठम् अध्यक्ष छल आ केवल दोसर ओहीसँ पहिने टाटाके उपनाम नै लैत छल। २०१२ के मध्यमे, उनका एक प्यानलद्वारा टाटा समूहके लेल चुनल गेछल आ दिसम्बरमे ओही वर्षक कार्यभार सम्भालने छल। २४ अक्टूबर २०१६ मे, टाटा सन्सके बोर्ड अध्यक्ष के पदसँ मिस्त्रीके हटावेक फैसला केलक। नटराजन चन्द्रशेखरक नाम शीघ्र ही नयाँ चेयरम्यान के नाम पर रखल गेल छल।

                                     

1. प्रारम्भिक जीवन

मिस्त्री, मुम्बई मे क्याथेड्रल एवम् जन कन्नन स्कूल मे अध्ययन केलक। ओ सिभिल इन्जीनियरिङ मे बी. एस. के साथ इम्पेरीयल कलेज लन्डन सँ स्नातक के उपाधि आ लन्डन बिजनेस स्कूलसँ प्रबन्धन विज्ञानमे एक मास्टर डिग्री रखने अछी। ओ सिभिल इन्जीनियर संस्थान के एक सदस्य छी।

                                     

2. व्यक्तिगत जीवन

सायरस मिस्त्री पल्लोनजी मिस्त्री, एक शक्तिशाली उद्योगपति; आ प्याट्सी पेरिन डुबाशके सभसँ छोट पुत्र छी।

मिस्त्री, वकील इकबाल छागलाक बेटी आ प्रसिद्ध विधिवेत्ता एम.सी. छागला क पोती, रोहिका छागलासँ विवाह केने अछी। मिस्त्री आ उनकर पत्नी के साथमे उनकर दुईटा पुत्र अछी। मिस्त्री एक आयरिश नागरिक आ भारतके एक स्थायी निवासी छी। एक आयरिश अखबार, दी इन्डीपेन्डेटमे एक खबरके अनुसार, मिस्त्री स्वयम् के एक वैश्विक नागरिकके रूपमे देखैत अछी आ अपन पासपोर्टके रङ्ग के महत्वहीन सोचैत अछी।

                                     

3. व्यवसाय

मिस्त्री शापूरजी पालोनजी एण्ड कम्पनीके प्रबन्ध निर्देशकक काम करि रहल अछी, जे शापूरजी पालोनजी समूहक हिस्सा छी। अपन पिताके सेवानिवृत्त होएसँ १ साल पहिने, ओ १ सितम्बर २००६ मे टाटा सन्स के बोर्डमे शामिल भेल।

२०१२ मे, मिस्त्री टाटा सन्स के अध्यक्षके रूपमे नियुक्त कएल गेल छल।