Back

ⓘ सरस्वती हिन्दू धर्मक मुख्य देवीसभमे सँ एक छी । ओ ब्रह्माक मानसपुत्री छी जे विद्याक अधिष्ठात्री देवी मानल गेल अछि । हिनकर नामान्तर शतरूपा सेहो छी । एकर अन्य पर्य ..




                                               

भुवनेश्वर प्रसाद

भुवनेश्वर प्रसाद 1902- दरभंगा जिलाक बनौली गाम, निवास रायसाहेब पोखरि लहेरियासराय। सरस्वती स्कूल लहेरियासरायमे १९३०-१९६४ ई. धरि अध्यापन। मैथिलीमे "बाल रामायण” प्रकाशित।

                                               

बलदेव मिश्र

बलदेव मिश्र 1890-1975 हिनक जन्म सहरसा जिलाक वनगाँव ग्राममे 1890 ई. मे एवं निधन फरवरी, 1975मे भेलन्हि । प्रारम्भमे पं. गेनालाल चौधरीसँ ज्यौतिष पढ़ि ई काशीमे पं. सुधाकर द्विवेदीजीक शिष्य भेलाह । बहुत वर्ष धरि सरस्वती भवन वाराणसी मे हस्तलिखित विभागमे कार्य कएल । पश्चात् पटनाक काशीप्रसाद जयसवाल रिसर्च संस्थानमे अनेक प्राचीन तिब्बती हस्तलिपिकेँ देवनारीमे लिप्यन्तरित कएल। ’मिथिलामोद’ प्रकाशन एवं म.म. मुरलीधर झाक प्रोत्साहनसँ ज्यौतिषीजी १९१० ई.सँ ’मोद’मे लिखए लगलाह। हिनक प्रकाशित रचना अछि - ’रामायण शिक्षा’, ’चन्दा झा’, ’संस्कृति’, ’भारत शिक्षा’, ’गप्प-सप्प विवेक’, ’समाज’ आदि । पण्डितजी यावत् धरि ...

                                               

जमदग्नि ऋषि

जमदग्नि ऋषि एक ऋषि छल, जे भृगुवंशी ऋचीक कऽ पुत्र छल तथा जेकर गणना सप्तऋषियो मे होएत अछि। पुराणो कऽ अनुसार एकर पत्नी रेणुका छल, हिनकर आश्रम सरस्वती नदी कऽ तट पर छल । वैशाख शुक्ल तृतीया हिनकर पाच अम प्रसिद्ध पुत्र प्रदोषकाल मे जन्मल छल जिन्हें परशुराम कऽ नामसँ जानल जाएत अछि।

सरस्वती
                                     

ⓘ सरस्वती

सरस्वती हिन्दू धर्मक मुख्य देवीसभमे सँ एक छी । ओ ब्रह्माक मानसपुत्री छी जे विद्याक अधिष्ठात्री देवी मानल गेल अछि । हिनकर नामान्तर शतरूपा सेहो छी । एकर अन्य पर्याय अछि, वाणी, वाग्देवी, भारती, शारदा, वागेश्वरी इत्यादि । देवी सरस्वती शुक्लवर्ण, श्वेत वस्त्रधारिणी, वीणावादनतत्परा तथा श्वेतपद्मासना कहल गेल अछि । हिनकर उपासना कएला सँ मूर्ख सेहो विद्वान् बनि सकैत अछि । माघ शुक्ल पञ्चमीकें हिनकर पूजाक परिपाटी चलि आबि रहल अछि ।