Back

ⓘ दिल्ली मेट्रो रेल भारतक राजधानी दिल्ली कऽ मेट्रो रेल परिवहन व्यवस्था छी जे दिल्ली मेट्रो रेल निगम लिमिटेड द्वारा सन्चालित अछि। एहिक शुभारम्भ २४ दिसम्बर, २००२ कऽ ..




दिल्ली मेट्रो रेल
                                     

ⓘ दिल्ली मेट्रो रेल

दिल्ली मेट्रो रेल भारतक राजधानी दिल्ली कऽ मेट्रो रेल परिवहन व्यवस्था छी जे दिल्ली मेट्रो रेल निगम लिमिटेड द्वारा सन्चालित अछि। एहिक शुभारम्भ २४ दिसम्बर, २००२ कऽ शहादरा तीस हजारी लाईन सँ भेल छल। एहि परिवहन व्यवस्थाकऽ अधिकतम गति ८०किमी/घन्टा राखल गेल अछि है आ ई हरेक स्टेशन पर लगभग २० सेकेन्ड धरि रुकैत अछि। ट्रेन सभक निर्माण दक्षिण कोरियाक कम्पनी रोटेम द्वारा कएल गेल अछि। दिल्लीक परिवहन व्यवस्थामे मेट्रो रेल एक महत्वपूर्ण कड़ीकऽ रूपमे अछि। एहीसँ पहिले यातायातक बढ़ बोझ सड़क पर छल। प्रारम्भिक अवस्थामे एहिक योजना छह मार्ग दिस चलऽक छल जे दिल्लीके बहुतो हिस्सा कऽ जोड़ैत छल। ई प्रारम्भिक चरण २००६ मे पूरा कएल गेल। बादमे एकर विस्तार राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र सँ सटल शहरसभ गाजियाबाद, फरीदाबाद, गुड़गाँव आर नोएडा धरि कएल गेल। एही परिवहन व्यवस्थाक सफलता सँ प्रभावित भऽ भारतक दोसर राज्यसभ जेनाकी उत्तर प्रदेश, राजस्थान, कर्नाटक, आन्ध्र प्रदेश एवं महाराष्ट्र मे सेहो एकरा चलाबऽक योजनासभ बनि रहल अछि। दिल्ली मेट्रो रेल व्यव्स्था अपन शुरुआती काल सँ ही ISO १४००१ प्रमाण-पत्र अर्जित करऽमे सफल रहल अछि जे सुरक्षा आ वातावरणक दृष्टि सँ खुब महत्वपूर्ण अछि।

सेप्टेमबर २०११ मे संयुक्त राष्ट्र द्वारा "स्वच्छ विकास तन्त्र" योजनाक माध्यमसँ हरित गृह ग्याससभमे कमी लाबऽक लेल दिल्ली मेट्रोकऽ दुनियाक पहिल "कार्बन क्रेडिट" देलक जहिके अन्तर्गत एकरा सात साल धरिकऽ लेल ९५ लाख डलर मिलत।

                                     

1. मेट्रो रेल मार्ग

प्रथम चरण ई रेल व्यवस्थाक प्रमच रण फेज I मे मार्गक कुल लम्बाई लगभग ६५.११ किमी अछि जाहिमे १३ किमी भूमिगत एवं ५२ किलोमीटर एलीवेटेड मार्ग अछि।

द्वितीय चरण फेज IIके अन्तर्गत समुचा मार्ग कऽ लम्बाई १२८ किमी होएत एवं एहिमे ७९ स्टेशन होएत, एही चरणके २०१० धरि पूरा करऽक लक्ष्य रहल छल।

तृतीय चरण फेज III ११२ किमी एवं IV १०८.५ किमी लम्बाई कऽ बनाबऽक प्रस्ताव अछि जेकरा क्रमश: २०१५ एवं २०२० तक पूरा किये जाने की योजना है। इन चारों चरणो का निर्माण कार्य पूरा हो जाने के पश्चात दिल्ली मेट्रो के मार्ग की कुल लंबाई ४१३.८ किलोमीटर की हो जाएगी जो लंदन के मेट्रो रेल ४०८ किमी से भी बडा बना देगी। दिल्लीक २०२१ मास्टर प्लानक अनुसार बादमे मेट्रो रेल दिल्लीके उपनगरसभ धरि लऽक जाएक सेहो योजना अछि।

                                     

1.1. मेट्रो रेल मार्ग फेज II कऽ मार्ग

द्वितीय चरण फेज II के अन्तर्गत समुचा मार्गक लम्बाई १२८ किमी होएत एवं एहिमे ७९ स्टेशन होएत से एखन निर्माणाधीन अछि ।

                                     

1.2. मेट्रो रेल मार्ग फेज III कऽ मार्ग

ई फेज कऽ २०१५ मे पूरा होबऽ का लक्ष्य राखल गेछल जहिमे बहुतो लाईनसभक विस्तार समावेश अछि:-

  • 5. एयरपोर्ट लिंक - सुशांत लोक गुडगांव = १६.५ किमी
  • 7. बदरपुर - वाईएमसीए चौक, फरीदाबाद = १४ किमी
  • 4. दिलशाद गार्डन - गाजियाबाद ISBT = ९.५ किमी
  • 1. मुकुन्दपुर - आजादपुर - राजौरी गार्डन - एम्स - सराय काले खाँ = ३१ किमी
  • 3. रिठाला - बरावला = ६ किमी
  • 6. मुन्डका - दिल्ली बार्डर - बहादुरगढ = ११ किमी
  • 2. केन्द्रीय सचिवालय - मन्डी हाउस" - दरियागन्ज - वेल्कम - गोकुलपुरी - नवादा गाजियाबाद = १८ किमी
  • 8. सुशान्त लोक गुडगांव - टी जङ्क्सन सेक्टर ४७ एवं ४८, गुडगांव = ६.५ किमी

कुल लम्बाई = ११२ किमी

                                     

1.3. मेट्रो रेल मार्ग फेज चारि IV

एकर पूरा होबऽक लक्ष्य २०२० धरि राखल गेल अछि। जहिमे निम्नाकित नव मार्ग या पुरान मार्गों सभक विस्तार होएत:-

  • 1. सराय काले खां - आनन्द विहार - दिलशाद गार्डन - यमुना विहार - सोनिया विहार = २२ किमी
  • 4. बरावला - मुन्डका - नजफगढ - द्वारका = २० किमी
  • 3. मुकुन्दपुर - जीटीके बाईपास - पीतमपुरा - पीरागढी - जनकपुरी - पालम = २० किमी
  • 7. अजरौङ्दा - खेरी = ५.५ किमी
  • 6. द्वारका सेक्टर २१ - छावला = ६ किमी
  • 5. गाजीपुर - नोएडा सेक्टर ६२ = ७ किमी
  • 2. सराय काले खां - नेहरू प्लेस - पालम - रेवला खानपुर = २८ किमी

कुल लम्बाई = १०८.५ किमी

कुल लम्बाई सम्पूर्ण चरण सभके मिलाकऽ = ४१३ किमी