Back

ⓘ उत्तर कोरिया, आधिकारिक रूपसँ प्रजातान्त्रिक जनवादी गणतन्त्र कोरिया पूर्वी एसियामे कोरिया प्रायद्वीपक उत्तरमे बसल एक देश छी । देशक राजधानी आ सभसँ पैग शहर प्योङया ..




उत्तर कोरिया
                                     

ⓘ उत्तर कोरिया

उत्तर कोरिया, आधिकारिक रूपसँ प्रजातान्त्रिक जनवादी गणतन्त्र कोरिया पूर्वी एसियामे कोरिया प्रायद्वीपक उत्तरमे बसल एक देश छी । देशक राजधानी आ सभसँ पैग शहर प्योङयाङ छी । कोरिया प्रायद्वीपक ३८अम समानान्तर पर बनाएल गेल कोरियाली सैन्यविहीन क्षेत्र उत्तर कोरिया आ दक्षिण कोरियाक बीच विभाजन रेखाक रूपमे काज करैत अछि । अमनोक नदी आ तुमेन नदी उत्तर कोरिया आ चीनक बीच सीमाक निर्धारण करैत अछि, ओतय अती उत्तर-पूर्वी छोपर तुमेन नदीएक शाखा रूसक साथ सीमा बनबैत अछि ।

सन् १९१० मे, कोरिया साम्राज्य पर जापानद्वारा कब्जा करि लेल गेछल । सन् १९४५ मे द्वितीय विश्वयुद्धक अन्तमे जापानी आत्मसमर्पणक बाद, कोरियाकें संयुक्त राज्य आ सोभियत सङ्घद्वारा दुई क्षेत्रसभमे विभाजित करि देल गेल, जतय एकर उत्तरी क्षेत्पर सोभियत सङ्घ तथा दक्षिण क्षेत्पर अमेरिकाद्वारा कब्जा करि लेल गेल । एकर एकीकरण पर बातचीत विफल रहल, आ सन् १९४८ मे, दुनू क्षेत्रसभ पर अगल-बगल देश आ सरकार: उत्तरमे समाजवादी प्रजातान्त्रिक जनवादी कोरिया, आ दक्षिणमे पूंजीवादी गणतन्त्र कोरिया बनि गेल । दुनू देशक बीच एक युद्ध १९५०-१९५३ सेहो भऽ गेल अछि । कोरियाली युद्धविधि समझौतासँ युद्धविराम तँ भेल, मुदा दुनू देशक बीच शान्ति समझौता पर हस्ताक्षर नै कएल गेल ।

उत्तर कोरिया आधिकारिक तौपर अपना आपकें आत्मनिर्भर समाजवादी राज्यक रूपमे दर्शावैत अछि । आ औपचारिक रूपसँ चुनाव सेहो कएल जाइत अछि । ओना तँ आलोचक एकरा अधिनायकवादी तानाशाहीकें रूप मानैत अछि, किया की एहि ठामक सत्ता पर किम इल-सुङ आ हुनकर परिवारक लोकसभक अधिपत्य अछि । बहुतेक अन्तर्राष्ट्रिय सङ्गठनसभक अनुसार उत्तर कोरियामे मानवाधिकार उल्लङ्घनक समकालीन दुनियामे कोनो समानान्तर नै अछि । सत्तारूढ़ परिवारक सदस्यसभक नेतृत्वमे कोरियाक श्रमिक पार्टी डब्लुपिके, देशक सत्ता नियन्त्रित अछि आ दुनू देशक पुनर्मिलनक लेल डेमोक्रेटिक फ्रन्टक नेतृत्व करैत अछि जहिमे सम्पूर्ण राजनीतिक अधिकारीसभक सदस्य होनाए आवश्यकता होइत अछि ।

राष्ट्रिय आत्मनिर्भरताक विचारधारा जुचे, सन् १९७२ मे मार्क्सवादी-लेनिनवादीक रचनात्मक प्रयोगक रूपमे संविधानमे पेश कएल गेछल । राज्यक उद्यमशील आ सामूहिक कृषिक माध्यमसँ कृषि उत्पादन पर राज्यकें स्वामित्व रहैत अछि । स्वास्थ्य सेवा, शिक्षा, आवास आ खाद्य उत्पादन जका अधिकांश मूल सेवासभ अनुवृत्ति होइत अछि या राज्य-वित्त पोषित होइत अछि । सन् १९९४ सँ सन् १९९८ धरि, उत्तर कोरियामे अकाल पड़ल छल, जकर परिणामस्वरूप ०.२४ सँ ३.५ मिलियन लोकसभक मौत भेल आ आबो खाद्य उत्पादनमे सङ्घर्ष करि रहल अछि । उत्तर कोरिया सोङ्गुन या सैन्य-प्रथम नीतिकें पालन करैत अछि । १.२१ मिलियन रहल एकर सक्रिय सेना चीन, अमेरिका आ भारतक बाद दुनियामे चारिम सभसँ पैग सेना अछि । उत्तर कोरिया एक परमाणु हथियार सम्पन्न देश छी । उत्तर कोरिया अपना आपकें एक नास्तिक देश मानैत अछि एतय कोनो आधिकारिक धर्म नै अछि संगे सार्वजनिक रूपसँ धर्मकें नै मानल जाइत अछि ।

                                     

1.1. इतिहास जापानी आधिपत्य १९१०-१९४५

सन् १९०५ मे रुसो-जापान युद्धक बाद जापानद्वारा कब्जा कएल जाए सँ पहिने प्रायद्वीप पर कोरियाली साम्राज्यक शासन व्यवस्था छल । सन् १९४५ मे द्वितीय विश्वयुद्धक समाप्ति पश्चात ई सोभियत सङ्घ आ अमेरिकाक नियन्त्रित क्षेत्रसभमे बांटि देल गेल । उत्तर कोरियाद्वारा संयुक्त राष्ट्र सङ्घक पर्यवेक्षणमे सन् १९४८ मे दक्षिणमे भेल चुनावमे भाग नै लेवाक निर्णय केलक, जकर परिणामस्वरूप दुनू नियन्त्रित क्षेत्रसभमे अलग कोरियाली सरकारसभकें गठन भेल । उत्तर आ दक्षिण कोरिया दुनू पूरे प्रायद्वीप पर सम्प्रभुताकें दावा केलक, जकर परिणति सन् १९५० मे कोरियाली युद्धक रूपमे भेल । सन् १९५३ मे भेल युद्धविरामक बाद युद्ध तँ अन्त भऽ गेल, मुदा दुनू देश अखनो आधिकारिक रूपसँ युद्धरत अछि, कियाकी शान्ति सन्धि पर कहियो हस्ताक्षर नै कएल गेल । दुनू देशसभकें सन् १९९१ मे संयुक्त राष्ट्रमे स्वीकार किएल गेल । २६ मई २००९ मे उत्तर कोरियाद्वारा एकतरफा युद्धविराम वापिस लऽ लेल गेल ।

                                     

1.2. इतिहास सोभियत आधिपत्य आ कोरियाक विभाजन १९४५-१९५०

सन् १९४५ मे जखन द्वितीय विश्वयुद्ध समाप्त भेल तँ, कोरियाली प्रायद्वीपकें ३८ समानान्तर रेखासँ दुनू क्षेत्रसभमे विभाजित करि देल गेल, जकर उत्तरी क्षेत्रमे सोभियत सङ्घ आ दक्षिणी भाग पर संयुक्त राज्य अमेरिकाक कब्जा भेल । विभाजन रेखा हेतु दुई अमेरिकी अधिकारी, डिन रस्क आ चार्ल्स बोनेस्टेलकें काम सौंपल गेल, ओ दुनू देशकें लगभग आधा-आधा भागमे विभाजित केलक मुदा राजधानी सियोलकें अमेरिकी नियन्त्रणक तहत राखने छल । ओ अवस्थाक बादो, विभाजन तुरन्त सोभियत सङ्घद्वारा स्वीकार करि लेल गेल । सोभियत जनरल तेरेन्ति शैतकोभद्वारा सन् १९४५ मे सोभियत नागरिक प्राधिकरणक स्थापनाक सिफारिश केलक, आ उत्तर कोरियाक लेल फरबरी सन् १९४६ मे स्थापित अस्थायी पिपल्स समितिकें अध्यक्षक रूपमे किम इल-सुङक समर्थन केलक । अस्थायी सरकारक समयमे, शैतकोभक मुख्य उपलब्धि, व्यापक भूमि सुधार कार्यक्रम रहल जे उत्तरी कोरियाकें जमीन्दारी प्रणालीके समाप्त करि देलक । ओतय रहल जमीन्दार आ जापानी सहयोगी दक्षिणक क्षेत्रमे भाग गेल । शैतकोभद्वारा ओतय रहल बहुतेक प्रमुख उद्योगसभकें राष्ट्रियकरण करि देलक आ कोरियाक भविष्य पर वार्ता करवाक लेल मस्को आ सियोलमे सोभियत प्रतिनिधि मण्डलक नेतृत्व सेहो केलक । सन् १९४८ सितम्बर ९ मे डेमोक्रेटिक पिपल्स रिपब्लिक अफ कोरियाकें स्थापित कएल गेल । शैतकोभ एकर पहिल सोभियत राजदूतक रूपमे रहल, जबकि किम इल-सुङ एकर प्रमुखक रुपमे काबिज भेल ।

सन् १९४८ मे सोभियत सेना उत्तरी कोरियासँ वापिस चलि आएल आ सन् १९४९ मे अमेरिकी सेना दक्षिण कोरियासँ हटि गेल । राजदूत शैतकोभकें सन्देह छल की दक्षिणक कम्युनिस्ट विरोधी सरकार, उत्तर पर आक्रमण करवाक योजना बनाए रहल अछि, एतय ओ समाजवादक तहत कोरियाली प्रायद्वीपक एकीकरणक किमक लक्ष्यक प्रति सहानुभूति रखैत छल । बादमे दुनू दक्षिण पर पहिने आक्रमण करवाक लेल जोसेफ स्टालिनके मनेबामे सफल रहल, जे आगा चलि कोरियाली युद्धक रूपमे भेल ।

                                     

1.3. इतिहास कोरियाली युद्ध १९५०-१९५३

कोरियाली युद्ध शीत युद्ध कालमे लड़ल गेल पहिल महत्वपूर्ण युद्ध छल । एक दिस उत्तर कोरिया छल जकर समर्थन सोभियत सङ्घ तथा साम्यवादी चीन करि रहल छल, तँ दोसर दिस दक्षिण कोरिया छल जकर रक्षा अमेरिका करि रहल छल । युद्ध अन्तमे बिना निर्णय समाप्त भेल मुदा जन क्षति तथा तनाव बहुत अधिक छल । कोरिया-विवाद सम्भवतः संयुक्त राष्ट्र सङ्घक शक्ति-सामर्थ्यक सभसँ महत्वपूर्ण परीक्षण छल । अन्तर्राष्ट्रिय राजनीतिक विद्वान शुमा एकरा सामूहिक सुरक्षा परीक्षण कऽ संज्ञा देनए अछि ।

द्वितीय विश्वयुद्धक अन्तिम दिनमे मित्र-राष्ट्रसभमे ई तय भेल की जापानी आत्म-समर्पणक बाद सोभियत सेना उत्तर कोरियाक ३८ अक्षांशधरि तथा संयुक्त राष्ट्र सङ्घक सेना ई अन्तर्राष्ट्रिय सीमारेखाक दक्षिण भागक निगरानी करत । दुनू शक्ति अन्तरिम कोरियाली प्रजातान्त्रिक सरकार कऽ स्थापनाक लेल संयुक्त आयोगक स्थापना केलक । मुदा सन् १९५० जुन २५ कें उत्तर कोरियाद्वारा दक्षिण कोरिया पर आक्रमण करि देल गेल । एहि दिन संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषदमे सोभियत अनुपस्थितिकें फायदा उठबैत अमेरिकाद्वारा अन्य सदस्यसभसँ मिल उत्तर कोरियाकें आक्रमणकारी घोषित करवाए देलक । सुरक्षा परिषद ई सिफारिशकें संयुक्त राष्ट्र सङ्घक सदस्य कोरियाली गणतन्त्रक आवश्यक सहायता प्रदान करी जहि सँग ओ सशस्त्र आक्रमणक प्रतिरोक करि सकए तथा ओ क्षेत्रमे शान्ति आ सुरक्षा स्थापित कएल जाए सकै । पहिल बेर सन् १९५० जुलाई ७ कें अमेरिकाक जनरल म्याकार्थरक कमानमे संयुक्त राष्ट्र सङ्घक झण्डाक नीचा संयुक्त कमानक निर्माण कएल गेल ।

मुदा बादमे सोभियत सङ्घ सेहो सुरक्षा परिषदक कारवाहीमे भाग लेनाए आरमभ करि देलक आ कोरियामे संयुक्त राष्ट्र सङ्घक कारवाही रोकैक लेल भिटो कऽ प्रयोग करि देलक । एकर परिणामस्वरूप सन् १९५० नवम्बर ३, संयुक्त राष्ट्र महासभाद्वारा शान्ति कऽ लेल एकता प्रस्ताव पास करि अन्तर्राष्ट्रिय शान्ति आ सुरक्षाकें उत्तरदायित्व स्वयं लऽ लेलक । फलस्वरूप अमेरिकी आ चीनी सेनासभ कोरियाली मामला केर लऽ उलझि गेल । अन्ततः भारत तथा किछ अन्य शान्तिप्रिय राष्ट्रसभक पहलक कारण सन् १९५३ जुलाई २७, कऽ दिन दुनू पक्षसभक बीच युद्ध विराम-सन्धि भेल । एहि प्रकार कोरियाली युद्धकें संयुक्त राष्ट्र सङ्घ रोक लगेबामे सफल भेल । ओना तँ अखनो उत्तर तथा दक्षिण कोरियामे आपसी तनाव जारी रहैत अछि ।

अमेरिकी रक्षा मन्त्रालय केर अनुसार ई विनाशकारी युद्धक कारण ३३,६८६ सैनिक आ २,८३० आम नागरिकक मृत्यु भऽ गेल । सन् १९५० नवम्बर १, चीनक सैनिकसभक सामना केलाक बाद सैनिकसभक मृत्यु सङ्ख्या ८,५१६ बढि गेल । दक्षिण कोरियाक बतौलक की ई युद्ध सँ ओकर ३,७३,५९९ आम नागरिक आ १,३७,८९९ सैनिक मारल गेल । पश्चिम देशसभक स्रोत अनुसार ई युद्धमे चारि लाख लोकसभक मृत्यु आ ४,८६,००० लोक घायल भेछल । केपिए अनुसार २,१५,००० लोकसभक मौत आ ३,०३,००० लोक घायल भेछल ।



                                     

1.4. इतिहास २१अम शताब्दी

सन् २००१ मे अमेरिकी राष्ट्रपति जर्ज डब्लु बुशक चुनावक संगे अन्तर्राष्ट्रिय राजनैतिक वातावरण परिवर्तित भऽ गेल । बुशक प्रशासनद्वारा दक्षिण कोरियाक सनसाइन नीति आ सहमतीय आधारसभकें खारिज करि देलक । अमेरिकी सरकारद्वारा उत्तर कोरियाकें एक दुष्ट राज्यक रूपमे व्यवहार केलक, जबकि ओ पुन: इराक युद्धसँ अपन ध्यान हटेबाक संगे परमाणु हथियारसभकें अधिग्रहणक प्रयासकें आओरो तीव्र बनेलक । सन् २००६ अक्टुबर ९ कें दिन उत्तर कोरिया विश्व सञ्चार माध्यममे ई घोषणा केलक की ओ अपन पहिल परमाणु हथियार परीक्षण केलक अछि ।

                                     

2. भूगोल

उत्तर कोरिया एसिया महादेशक कोरियाली प्रायद्वीपक उत्तरमे अवस्थित अछि । ई क्षेत्र ३७° आ ४३° उत्तरी अक्षांश, आ १२४° आ १३१° पूर्वी देशान्तरमे अवस्थित अछि । ई १,२०,५४० वर्ग किलोमिटर ४६,५४१ वर्ग माइल क क्षेत्रफल ओकटने अछि । उत्तर कोरियाक उत्तरमे चीन तथा रूस आ दक्षिण कोरियाक सीमा कोरियाली सैनिक क्षेत्रधरि अवस्थित अछि । एकर पश्चिममे पियर सागर आ कोरियाक खाड़ी अवस्थित अछि, एकर पूर्वमे जापानक सागर अवस्थित अछि ।

कोरियाक शुरुआती युरोपेली आगन्तुकसभद्वारा टिप्पणी कएल गेल अछि की ई देश प्रायः बहुत रास पर्वत श्रृङ्खलासभक कारण सँ भारी प्रचण्ड वायु कऽ एक समुन्द्र जका देखऽ मे लगैत अछि, जे की एगो सामान्य प्रायद्वीपक विपरीत अछि । उत्तर कोरियाक लगभग ८० प्रतिशत भाग पहाड़ आ ऊपरी क्षेत्रसभ सँ बनल अछि, जे की गहीर आ सङ्कीर्ण घाटीसभ सँ भिन्न अछि । उत्तर कोरियामे २,००० मिटर ६,६०० फिट या ओहि सँ अधिक उन्नयनक संग कोरियाली प्रायद्वीपक सम्पूर्ण पर्वत अवस्थित अछि । उत्तर कोरियाक उच्चतम बिन्दु समुद्र सतह सँ २,७४४ मिटर ९,००३ फिट कऽ उचाई कऽ संग ज्वालामुखी पर्वत पाक्तु पर्वत अछि । कोरियाली संस्कृतिमे पाक्तु बहुत महत्वपूर्ण अछि, जकरा कोरियाली लोकसभ एक पवित्र स्थान मानैत अछि आ एहि प्रकार किम साम्राज्यक आगल-बगल विस्तृत लोक कथासभमे सेहो एकरा शामिल कएल गेल अछि । अन्य प्रमुख पर्वत श्रेणीसभ अति उत्तरपूर्व आ राङ्गरिम पहाड़सभक ह्यागिङ रेञ्जमे अछि, जे की उत्तर कोरियाक उत्तर-मध्य भागमे अवस्थित अछि । दक्षिण कोरिया धरि अवस्थित ताएब्याक रेञ्जमे रहल माउन्ट कुमग्याङ, एकर अलौकिक सुन्दरताक लेल प्रसिद्ध अछि ।

एकर तटीय किनारा क्षेत्र पश्चिमसँ पूर्व धरि फैलल अछि । उत्तर कोरियाक अधिकाश लोकसभ समथर आ निचलका भूमिमे बसोबास करैत अछि । सन् २००३ मे संयुक्त राष्ट्र सङ्घक वातावरणीय कार्यक्रमक एक प्रतिवेदन अनुसार उत्तर कोरियाक भूमिमे सँ ७०% भाग वनजङ्गल ओकटने अछि । उत्तर कोरियाक सभसँ लम्बा नदी एम्नोक यालु छी जकर लम्बाई ७९० किलोमिटर ४९१ माइल अछि ।

क्यापेला रिजोर्ट, सिङ्गापुर
                                               

क्यापेला रिजोर्ट, सिङ्गापुर

क्यापेला रिजोर्ट, सिङ्गापुर सिङ्गापुरक सेन्टोसा टापुमे अवस्थित ३० एकड़मे फैलल एक अत्याधुनिक सुविधासम्पन्न रिजोर्ट छी । नोरम्यान फोस्टरद्वारा डिजाइन कएल गेल ई रिजोर्टमे ११२ प्रबन्धकीय, सुइट्स आ अतिथि कक्ष रहल अछि । ई रिजोर्टकें सन् २००९ मार्चमे खुला कएल गेल छाल । क्यापेला सिङ्गापुरमे बासाक लेल विस्तृत शाखा सहित एतय स्थित क्लबमे ८१ स्तरीय अपार्टमेन्ट, पेन्थहाउस तथा प्रबन्धकीय कक्षसभ रहल अछि ।