Back

ⓘ बिप्लब कुमार देब भारतीय राज्य त्रिपुराक राजनीतिज्ञ आ वर्तमान मुख्यमन्त्री छी । ओ ७ जनवरी २०१६ सँ त्रिपुरामे भारतीय जनता पार्टीक प्रदेश अध्यक्ष सेहो छी । ओ सन् २ ..




                                               

त्रिपुरा

त्रिपुरा उत्तर-पूर्वी सीमा पर स्थित भारतक एक राज्य छी।ई भारतक तेसर सभ सँ छोट राज्य छी जकर क्षेत्रफल १०,४९१ वर्ग किलोमिटर अछि। एकर उत्तर, पश्चिम आ दक्षिणमे बङ्गलादेश स्थित अछि जखन कि एकर पूर्वमे असम आ मिजोरम स्थित अछि।सन् २०११ मे ई राज्यक जनसङ्ख्या लगभग ३६ लाख ७१ हजार छल। अगरतला त्रिपुराक राजधानी छी। बङ्गाली भाषा आ त्रिपुरी भाषा एतय बाजल जाएवाला मुख्य भाषा छी। त्रिपुराक स्थापना १४म् शताब्दीमे माणिक्य नामक भारतीय-मङ्गोलियन आदिवासी मुखियाद्वारा कएल गेल छल, जे हिन्दू धर्म अपनेनाए छल। सन् १८०८ मे एकरा ब्रिटिश साम्राज्य जीत लेलक आ ई स्व-शासित शाही राज्य बनि गेल।सन् १९५३ मे ई भारतीय गणराज्यमे शाम ...

बिप्लब कुमार देब
                                     

ⓘ बिप्लब कुमार देब

बिप्लब कुमार देब भारतीय राज्य त्रिपुराक राजनीतिज्ञ आ वर्तमान मुख्यमन्त्री छी । ओ ७ जनवरी २०१६ सँ त्रिपुरामे भारतीय जनता पार्टीक प्रदेश अध्यक्ष सेहो छी । ओ सन् २०१८ मे भेल त्रिपुरा विधानसभा चुनाव, २०१८ मे भाजपाक जितक सूत्रधार रहल । ओ ९ मार्च २०१८ कऽ त्रिपुरक दशम मुख्यमन्त्रीक रूपमे शपथ लेलक ।

                                     

1. शुरूआती जीवन आ शिक्षा

बिप्लब देबक जन्म त्रिपुराक राजधर नगर गाममे भेल छल, जे वर्तमानमे गोमती जिलाक अन्तर्गत आबैत अछि । एकर अभिभावक बङ्गलादेशक कचुया उपजिलासँ अछि । ओ विद्यालयी शिक्षाक समय त्रिपुरामे रहल आ उदयपुर कलेज सँ स्नातकक शिक्षा पूर्ण कएलाक बाद परास्नातकक शिक्षाक लेल ओ नयाँ दिल्ली आएल छल । जखन ओ १५ वर्ष बाद त्रिपुरामे पुनः आएल आ ओ राष्ट्रिय स्वयंसेवक सङ्घक पूर्व स्वयंसेवक सेहो रहि चुकल अछि आ पूर्वमे त्रिपुरा आदिवासी क्षेत्र स्वशासी जिला परिषदक चुनावमे भाजपाक लेल प्रचार सेहो करि चुकल अछि ।

                                     

2. राजनैतिक जीवन

नयाँ दिल्लीमे प्रवासक काल ओ भाजपाक पूर्व नेता के॰ एन॰ गोविन्दाचार्यक निजी सचिवक रूपमे कार्य केलक । एहि काल ओ बीजेपीक पूर्व सांसद आ वाजपेयी सरकारमे खानि आ खनिज राज्य मन्त्रि रहि रीता बर्माक निजी सहायकक रूपमे सेहो काम केलक । ओ मध्य प्रदेशक सतना लोक सभा निर्वाचन क्षेत्रसँ सांसद गणेश सिंहके सहायक सेहो रहल।

भारतीय जनता पार्टी द्वारा हुनका २०१५ मे राज्यक महासम्पर्क अभियानके प्रदेश संयोजकक रुपमे त्रिपुरा भेजि फरवरी २०१६ मे हुनका त्रिपुराक भाजपा प्रदेश अध्यक्ष बनाओल गेल । 8 अगस्त २०१७ मे देब द्वारा सुदीप राय बर्मनक नेतृत्वमे भारतीय राष्ट्रीय कांग्रेसक विधायक सभके भारतीय जनता पार्टीमे लाबऽमे मदद केनए छल ।

२०१८ मे भेल त्रिपुरा विधानसभा चुनाव, २०१८ मे बिप्लब कुमार देब द्वारा बनमालीपुर विधानसभा क्षेत्रसँ माकपाक अमल चक्रवर्ती कऽ ९५४९ भोटक अन्तरसँ पराजित केलक ।

त्रिपुराक मुख्यमन्त्री

९ मार्च २०१८ कऽ बिप्लब कुमार देब द्वारा त्रिपुराक दशम मुख्यमन्त्रीक रूपमे शपथ लेलक ।