Back

ⓘ सुशील कुमार मोदी. सुशील मोदीक जन्म ५ जनवरी १९५२ कऽ पटनामे भेछल । हिनकर माताक नाम रत्ना देवी आ पिताक नाम मोती लाल मोदी छल । हिनकर विद्यालय जीवन पटनाक सेन्ट माइकल ..




सुशील कुमार मोदी
                                     

ⓘ सुशील कुमार मोदी

सुशील मोदीक जन्म ५ जनवरी १९५२ कऽ पटनामे भेछल । हिनकर माताक नाम रत्ना देवी आ पिताक नाम मोती लाल मोदी छल । हिनकर विद्यालय जीवन पटनाक सेन्ट माइकल स्कूलमे भेछल एकर बादमे ओ बी.एस.सी. कऽ डिग्री बी.एन. कलेज, पटनासँ प्राप्त केलक बादमे एम.एस.सी. कऽ कोर्स छोड़ि देलक आ जयप्रकाश नारायण द्वारा चलाओल जाऽ रहल आन्दोलनमे कूदि पड़ल ।

                                     

1. व्यक्तिगत जीवन

मोदी १९८७ मे जेसी जर्जसँ विआह केलक । जेस्सी जर्ज मुम्बईसँ अछि । हिनकासभक दुटा पुत्र अछि - उत्कर्ष ताथगेट इन्जीनियरिङ्ग क्षेत्रमे काम आ अक्षय अमृतांशु जे कानूनी क्षेत्रमे काम करैत अछि। उत्कर्ष बेङ्गलोरमे इन्जीनियरिङ्ग पूरा केनए अछि, आ अक्षय राष्ट्रीय कानून संस्थान विश्वविद्यालय, भोपालमे कानूनक पढाई पूरा केनए अछि। बेङ्गलोरक एक मल्टीनेशनल कम्पनीमे काम केनिहार उत्कर्षक विआह कोलकाताएक लड़की चार्टर्ड अकाउन्टेन्टसँ दिसम्बर २०१७ कऽ पटनामे भेल ।