Back

ⓘ युएस-बंगला विमान दुर्घटना. युएस-बंगला विमानसेवा फ्लाइट २११ २०७४ फागुन २८ मे ढाकासँ काठमाडौं आएल विमान त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलमे दुर्घटना भेछल । विमान ..




युएस-बंगला विमान दुर्घटना
                                     

ⓘ युएस-बंगला विमान दुर्घटना

युएस-बंगला विमानसेवा फ्लाइट २११ २०७४ फागुन २८ मे ढाकासँ काठमाडौं आएल विमान त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलमे दुर्घटना भेछल । विमान दुर्घटनामे ७१ जना यात्रुसभ मध्य विमानमे सवार चादलक सदस्यसहित ५१ गोटेक मृत्यु भेछल बाँकी २० गोटे घायल भेछल । दुर्घटना स्थलमे ४९ गोटेक मृत्यु भेछल । मृत्युभेल सभमे २२ गोटे नेपाली, २८ गोटे बंगलादेशी आ एक चिनियाँ नागरिक रहल छल । दुर्घटनामे घाइल अन्य २० गोटेक काठमाडौँक विभिन्न अस्पतालमे उपचार भऽ रहल अछि ।

                                     

1. विमानक विवरण

दुर्घटनाग्रस्त विमान बम्बार्डियर ड्यास ८ क्यू४०० दर्ता कएल एस२-एजियु छल । विमान पहिले २००१मे स्क्यान्डेनेभियन एयरलाइन्समे पठाने छल, ओकरवाद एकरा सन् २०१४ मे युएस-बंगला एयरलाइन्समे बिक्री करैसँ पहिल २००८मे अगस्टसेम्बर एयरवेजमे बेचने छल । ई विमान पहिलेहि २०१५ मे दोसर घटनामे संलग्न भेल छल, ई सैदपुरमे धावन मार्ग छोड्लक मुदा कोनो मानवीय क्षति नै भेछल । विमान छोट क्षतिक सामना केलक आ आठ घण्टा पछा पुनः सेवामे घुमल छल ।

                                     

2. दुर्घटना विवरण

२०७४ फागुन २८ लगभग साढे २ बजे, त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलमे ई विमान दुर्घटना भेछल । वरुणयन्त्र, फायरफाइटर, नेपाली सेना, प्रहरी आ उद्दारकर्तासभक अन्य टोली आग निभाउन एवं घाइतेक उद्धार केने छल । सोही विमानमे रहल एक यात्रुक अनुसार बंगलादेशक स्थानीय समयअनुसार मध्याह्न १२ बजे ३० मिनेट ओसभ जहाज चढेने छल । बंगलादेशसँ उदैत जहाजमे कुनो समस्या नै आएल छल । मुदा, काठमाडौंक आकाशमे आयल वाद अवतरण करैसँ पहिल जहाज कुछ असन्तुलित भेल जहिना ओ महसुस केने छल ।