Back

ⓘ अन्तर्राष्ट्रिय योग दिवस २१ जुनकें मनाएल जाएत अछि । ई दिन वर्षक सभ सँ पैग दिन होइत अछि आ योग सेहो मनुष्यकें दीर्घ जीवन प्रदान करैत अछि । पहिल बेर ई दिवस २१ जुन ..




अन्तर्राष्ट्रिय योग दिवस
                                     

ⓘ अन्तर्राष्ट्रिय योग दिवस

अन्तर्राष्ट्रिय योग दिवस २१ जुनकें मनाएल जाएत अछि । ई दिन वर्षक सभ सँ पैग दिन होइत अछि आ योग सेहो मनुष्यकें दीर्घ जीवन प्रदान करैत अछि । पहिल बेर ई दिवस २१ जुन २०१५ कें मनाएल गेल, जकर पहल भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीद्वारा २७ सितम्बर २०१४ कें संयुक्त राष्ट्र महासभामे कएल गेछल ।

                                     

1. मूल

भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीद्वारा २७ सितम्बर २०१४ कें संयुक्त राष्ट्र महासभामे अपन भाषणमे कहलक:

"योग भारतक प्राचीन परम्पराएक अमूल्य उपहार छी ई दिमाग आ शरीरक एकताक प्रतीक छी; मनुष्य आ प्रकृतिक बीच सामञ्जस्य अछि; विचार, संयम आ पूर्ति प्रदान केनिहार छी तथा स्वास्थ्य आ भलाईक लेल एक समग्र दृष्टिकोण सेहो प्रदान केनिहार छी । ई व्यायामक बारेमे नै छी, मुदा अपन भीतर एकताक भावना, दुनिया आ प्रकृतिक खोजक विषयमे छी । अपनसभक परिवर्तित जीवन- शैलीमे ई चेतना बनि, अपनासभकें जलवायु परिवर्तन सँ लड़ैैमे सहायता करि सकैत अछि । तँ आबी एक अन्तर्राष्ट्रिय योग दिवसकें स्थापनाक लेल ओ दिशामे काज करैत छी ।"

जकर बाद २१ जुनकें अन्तर्राष्ट्रिय योग दिवस घोषित कएल गेल । ११ दिसम्बर २०१४ कें संयुक्त राष्ट्रमे १७७ सदस्यसभद्वारा २१ जुनक दिन अन्तर्राष्ट्रिय योग दिवस मनवैक प्रस्तावकें मञ्जुरी भेटल । प्रधानमन्त्री मोदीद्वारा कएल गेल ई प्रस्ताव ९० दिनक भितर पूर्ण बहुमत सँ पारित कएल गेल, जे संयुक्त राष्ट्र संघमे कोनो दिवस प्रस्तावक लेल सब सँ कम समय छी ।