Back

ⓘ स्मृति मंधाना एक भारतीय महिला क्रिकेट खेलाडी छी, जे भारतीय महिला क्रिकेट टिम कऽ लेल खेलैत अछि । ओ मुख्य रूप सँ बामा हाथसँ बल्लेबाजी करैत अछि जे २०१७ कऽ महिला क् ..




स्मृति मंधाना
                                     

ⓘ स्मृति मंधाना

स्मृति मंधाना एक भारतीय महिला क्रिकेट खेलाडी छी, जे भारतीय महिला क्रिकेट टिम कऽ लेल खेलैत अछि । ओ मुख्य रूप सँ बामा हाथसँ बल्लेबाजी करैत अछि जे २०१७ कऽ महिला क्रिकेट विश्व कपमे दु शतक सेहो लगेने छल । इनकर जन्म मुम्बई, महाराष्ट्र मे १८ जुलाई १९९६ क भेछल । आ

                                     

1. प्रारम्भिक आ निजी जीवन

मंधानाक जन्म सन् १९९६ जुलाई १८ मुम्बई भारतमे स्मिथ आ श्रीनिवास मंधानाक घरमे भेल छल। जखन ओ २ सालक छल त हुनकर परिवार मधावनगर, साङगलीमहाराष्ट्रमे स्थानान्तरित भ गेछल जत ओ अपन प्रारम्भिक शिक्षा पुरा केलक। हुनकर पिता आ भाई, श्रवण दुनु साङगलीक लेल जिल्ला स्तर पर क्रिकेट खेलैत छल जहि कारण ओ क्रिकेटर बनैक लेल अपन भाई सँ प्रेरित भेछल जखन हुनकर भाई महाराष्ट्र अन्डर १६ खेलने छल। ९ वर्षक आयुमे ओ महाराष्ट्र अन्डर १५ क टीममे चुनल गेल छल। ११ वर्षक आयुमे हुनका महाराष्ट्र अन्डर १९ क टीमक लेल चुनल गेल छल। मंधानाक परिवार हुंकार क्रिकेट गतिविधिसभमे बहुत निकटता सँ सम्मलित अछि। हुनकर पिता श्रीनिवास, एक रासायनिक वितरक भेलाक बादो हुनकर क्रिकेट कार्यक्रम क देखभाल करैत अछि, हुनकर माता स्मिता हुनकर आहार, कपडा आ अन्य सङगठन कार्यभारक सम्हारैत अछि, आ हुनकर भाई श्रवण अखनो नेट्सम हुनका गेन्दबाजी करैत अछि।

                                     

2. कैरियर

मंधानाक पहिल सफलता हुनका तब भेटल जब ओ अक्टुबर २०१३ मे भेल एकदिवसीय म्याचमे डबल शतक हासिल करैवाली पहिल भारतीय महिला बनल। गुजरात क विरुद्ध माहाराष्ट्रक लेल खेलैत, ओ वडोदरामे आलेम्बिक क्रिकेट ग्राउन्ड पर वेस्ट जोन अन्डर १९ टूर्नामेन्टमे १५० गेन्द पर नाबाद २२४ रन बनेलक। २०१६ महिला च्यालेन्जर ट्रफीमे, मंधाना भारत रेडक लेल बहुत खेलमे तीन अर्धशतक क मदद सँ, आ अपन टीमक भारत ब्लूक विरुद्ध फाइनलमे ८२ गेन्द पर नाबाद ६२ रन बनाक ट्रफी जीत लेलक।

सन् २०१६ सितम्बरमे, मंधानाक महिला बिग बाश लिग WBBL क लेल ब्रिस्बेन हीटक साथ एक सालक लेल अनुबन्धित कएल गेल छल, आ हरमनप्रीत कौरक साथ, लिगक लेल हस्ताक्षरित होएवाला पहिल दु भारतीयमे सँ एक बएन गेल।