Back

ⓘ विनीता बाली. सन् १९७५ मे, हिनका द्वारा दिल्ली विश्वविद्यालयक लेडी श्रीराम कलेज सँ अर्थशास्त्रमे स्नातकक डिग्री प्राप्त कएलाकबाद जमनालाल बजाज इन्स्टिच्युट अफ म्य ..




विनीता बाली
                                     

ⓘ विनीता बाली

सन् १९७५ मे, हिनका द्वारा दिल्ली विश्वविद्यालयक लेडी श्रीराम कलेज सँ अर्थशास्त्रमे स्नातकक डिग्री प्राप्त कएलाकबाद जमनालाल बजाज इन्स्टिच्युट अफ म्यानेजमेन्ट स्टडिज सँ एमबिए कएल गेल । बाली संयुक्त राज्य अमेरिकाकें मिसिगन स्टेट विश्वविद्यालय सँ छात्रवृत्ति प्राप्त करि संयुक्त राष्ट्र मुख्यालयमे एक प्रशिक्षक रूपमे कार्य केलक।

                                     

1. करियर

हिनकाद्वारा अपन करियरक शुरुआत वोल्टासमे करल गेल, जाहि ठाम ओ शीतल पेय ब्रान्ड रसनाकें शुभारम्भ केलक । ओ चौदह वर्ष धरि क्याडबरीक भारतीय डिवीजनकें लेल काम केनए अछि, जाहि ठाम ओ भारत आ अफ्रिकामे कम्पनीकें बाजारक विस्तार केलक । वर्ष १९९४ मे, ओ कोका कोलामे विपणन निर्देशकक रूपमे कार्य करि बादमे ओ ल्याटिन अमेरिकाक लेल विपणन उपाध्यक्ष नियुक्त भेल । कोकमे अपन नओ वर्षक कालमे, बाली विपणनक रणनीतिकें अन्तर्गत उपाध्यक्षक रूपमे सेहो काम केनए छल ।विनीता सर्जियो जीमान समूहमे कार्य करवाक लेल वर्ष २००३ मे कोका-कोला छोड़ि देलक आ बादमे ओ जीमान समूहक अटलांन्टा अवस्थित गतिविधिसभक लेल प्रमुख नियुक्त कएल गेल ।

बाली वर्ष २००५ मे जीमान समूह छोड़ि देलक आ भारतीय खाद्य कम्पनी ब्रिटानिया इन्डस्ट्रीजकें मुख्य कार्यकारी अधिकारी नियुक्त भेल, एहि ठाम हिनका वर्ष २००६ मे प्रबन्ध निर्देशकक पद पर प्रोन्नत कएल गेल । हिनका वर्ष २००९ मे "वर्षक महिला उद्यमी" कऽ रूपमे इकोनमिक टाइम्स पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल । हिनका द्वारा वर्ष २००९ मे ब्रिटानिया न्यूट्ररेशन फाउन्डेशनक स्थापना कएल गेल जे भारतमे स्कूलक बच्चाक कुपोषणकें मिटाबकऽ दिशामे आन्दोलनरत अछि । ई फाउन्डेशनक स्थापना आ उद्देश्यकें दृष्टिगत हिनका सामाजिक दायित्व पुरस्कार सँ अलङ्कृत कएल गेल ।