Back

ⓘ अमृता खानविलकर. खानविलकर हिन्दी आ मराठी चलचित्र उद्योगमे अपना आपकें एक स्थापित कलाकारक रुपमे प्रस्तुत केनए अछि। ओ मराठी चलचित्रक एक मुख्य अभिनेत्री आ स्थापित नर ..




अमृता खानविलकर
                                     

ⓘ अमृता खानविलकर

खानविलकर हिन्दी आ मराठी चलचित्र उद्योगमे अपना आपकें एक स्थापित कलाकारक रुपमे प्रस्तुत केनए अछि। ओ मराठी चलचित्रक एक मुख्य अभिनेत्री आ स्थापित नर्तकी छी। हुनकाद्वारा अभिनित मराठी चलचित्र काट्यार कल्जात घुस्ली आ नाटरङ्ग कें चलचित्र विशेषज्ञ बहुत प्रशंसा केनए छल। ओ मेघना गुल्जारद्वारा निर्देशित चलचित्र राजीमे अभिनय केनए छल।

ओ अपन पति हिमांशु मलहोत्रा सङ्गे नृत्य रियाल्टी कार्यक्रम नच बलिये कें सातम् संस्करण जित्ने छल।

                                     

1. जीवनी

सन् २०१५ जनवरी २४ कें दिन ओ अपन प्रेमी हिमांशु मलहोत्रा सँ विवाह केनए छल। दुनूकें बीच लगभग एक दशक सँ बेसी समय सँ प्रेम सम्बन्ध चलि रहल छल जकरा ई दुनू विवाहमे रुपान्तरण केनए छल। हुनकर पति हिमांशु एक अभिनेता छी जे जि टिभीकें धारावाहिक आप की अन्तरा आ भागोवाली बांटे अपनी तकदीर मे गुड्डु नाम पात्रक अभिनय केनए अछि।

                                     

2. फिल्मोग्राफी

सन् २००६ मे मराठी चलचित्र गोलमाल मे दुई टा पात्रक भूमिका करि ओ अभिनय क्षेत्रमे प्रवेश केनए छल। एकर बाद ओ सन् २००७ मे बलिउड चलचित्र मुम्बई सालसा मे नेहा नामक पात्रकें भूमिका केनए छल। एहि वर्ष ओ ह्याट्रिक नामक चलचित्रमे सहो अभिनय केनए छल। मराठी चलचित्रमे मुख्य अभिनेत्रीकें रुपमे अपना आपकें स्थापित करलाक बादो अमृता बलिउड चलचित्र सत्यमेव जयते सँ मात्र दर्शकदीर्घाक बीच अपन स्थान बनाए सकल। ई चलचित्र सन् २०१८ मे प्रदर्शित कएल गेल जहिमे जोन अब्राहम, मनोज बाजपेयी आ आयशा शर्मा मुख्य भूमिकामे छल। ई चलचित्रक सफलताक बाद अमृता लोकप्रिय भेल छल।

                                     

3. टेलिभिजन

अमृता सन् २०१५ मे नच बलिये रियाल्टी टेलिभिजन नृत्य कार्यक्रमक सातम् संस्करणक उपाधि अपन पति सङ्गे युगलबन्दीमे जित्ने छल। एकर बाद ओ दोसर चर्चित नृत्य रियाल्टी कार्यक्रम झलक दिखला जा मे सेहो प्रतिस्पर्धीकें रुपमे भाग लेनए छल। सन् २०१७ मे चर्चित नृत्य रियाल्टी कार्यक्रम डान्स इन्डिया डान्स कऽ छठम् संस्करणक प्रस्तोताक रुपमे ओ दर्शककें दिल जित्ने छल। सन् २०१८ मे ओ नृत्य रियाल्टी कार्यक्रम सुपर डान्स महाराष्ट्र कऽ निर्णायक मण्डलक सदस्य छल।