Back

ⓘ मेरिसा मिल्लर. मेरिसा ली मिल्लर उर्फ बेरटेट्टा ; जन्म अगस्त ६, १९७८ एक अमेरिकी मोडल आ अभिनेत्री छी, जकरा स्पोर्ट्स इलस्ट्रेटेड स्विमसूट अङ्कमे हिनकर प्रदर्शन आ ..




मेरिसा मिल्लर
                                     

ⓘ मेरिसा मिल्लर

मेरिसा ली मिल्लर उर्फ बेरटेट्टा ; जन्म अगस्त ६, १९७८ एक अमेरिकी मोडल आ अभिनेत्री छी, जकरा स्पोर्ट्स इलस्ट्रेटेड स्विमसूट अङ्कमे हिनकर प्रदर्शन आ भिक्टोरिया सिक्रेट कऽ लेल हिनकर कामऽक लेल जानल जाएत अछि। भोग, जका फ्यासन पत्रिकासभक लेल फोटोग्राफर मारियो टेस्टिनोकें सङ्ग एक बृहत फोटोसुट कऽ बाद, सन् २००२ मे मिल्लर दुनू कम्पनीसभक लेल काम केनाए शुरू करि देलक। सन् २००७ मे, ओ भिक्टोरिया सिक्रेट परी बनि गेल, आ सन् २००८ कें स्पोर्ट्स इलस्ट्रेटेड स्विमसूट संस्करणक आवरण पृष्ठ पर प्रदर्शित भेल। हिनकर उपलब्धिसभक कारण हिनका महान अमेरिकी सुपर मोडलक वापसी कऽ उपमा देल गेल।

                                     

1. जीवनी

मिल्लरक जन्म मरिसा ली बेरटेट्टाक रुपमे भेल छल। हिनकर जन्म संयुक्त राज्य अमेरिकाक क्यालिफोर्निया राज्यक सेन्टा क्रुजमे भेल छल। हुनकर माताकें नाम क्रिस्टा उर्फ युजलडिङ्गर आ पिताकें नाम मार्क बेरटेट्टा छी। हुनकर दुई टा छोट बहीन अछि। मिल्लर अपन उच्च शिक्षा एप्टस उच्च विद्यालय आ मोन्टे भिस्टा क्रिस्चियन विद्यालय सँ पूर्ण केलक। ओ अपनाआप कें वाल्यकाल आ माध्यमिक तह धरि एकटा पुरुष युवाक रुप छल आ हिनकर सङ्गीसभ अधिकतर पुरुष छल आ एक लड़कीमे होमए वाला बात सभ सँ बहुत अनभिज्ञ छल। लज्जापन सँ दूर, ओ पैग पैग टि-सर्टसभ पहिनैत छल जहि सँ ओ अपन शरीरके पूर्ण रुप सँ नुकाए सकै आ समुद्री तट पर पुरुषक खेलकें मजा लऽ सकै।

हुनका पहिल बेर दू टा इटालियन मोडलिङ्ग एजेन्ट स्यान फ्रान्सिस्को क्याफेमे देखने छल। मेरिसाक माता सँ गप्प भेलाक बाद किछ महिना बाद मेरिसा आ हुनकर माता इटाली जाएवला हवाईजहाजमे छल।

                                     

2. करियर

सन् २००१ मे भोग पत्रिकाकें अमेरिकी आ इटालियन संस्करणक सम्पादक आ फ्यासन फोटोग्राफर मारियो टेस्टिनो सँ भेट भेलाक बाद मिल्लर मुख्यधारा सँ हटि वयस्क पत्रिकाक लेल मोडलिङ्ग सुरु केलक। सन् २००२ मे मिल्लर भिक्टोरिया सिक्रेटक लेल काज केनाए आरम्भ केलक आ सन् २००२ सँ सन् २००८ धरि प्रकाशित भेल सभ स्पोर्ट्स इलस्ट्रेटेड स्विमसुट संस्करणमे आवरित कएल गेल छल। सन् २००७ मे ओ मात्र आईपोड लऽ तस्विर खिचेने छल जे बहुत लोकप्रिय भेल छल। ओ बहुत रास आ विविध किसिमक पत्रिकामे प्रदर्शित भेछल जहिमे अधिकतर अन्तर्राष्ट्रिय पत्रिकासभ छल। ओ जिक्यु, म्याक्सिम, ग्ल्यामर, कस्मोपोलिटन, मारी क्लेर, एल्ले आ भ्यानिटी जका पत्रिकामे प्रदर्शित भेल छल। ओ मार्क जब्स, टमी हिलफाइगर, एन्ड्रयु मार्क, भिक्टोरिया सिक्रेट, जे क्रु, गेस?, नर्डस्ट्रम, बाथ एण्ड बडी वर्कस आ ट्र्यु रिलिजन जिन्सक लेल विज्ञापनमे सेहो काज केनए छल।