Back

ⓘ अर्चिता साहु एक भारतीय अभिनेत्री आ मोडेल छी। ओ अपन कैरियरक लेल बहुत रास ओलिउड चलचित्रसभमे एक अभिनेताक रूपमे जानल जाएत अछि। ओ बाबू आई लव यु, मु एका तुमारा, चकलेट ..




अर्चिता साहु
                                     

ⓘ अर्चिता साहु

अर्चिता साहु एक भारतीय अभिनेत्री आ मोडेल छी। ओ अपन कैरियरक लेल बहुत रास ओलिउड चलचित्रसभमे एक अभिनेताक रूपमे जानल जाएत अछि। ओ बाबू आई लव यु, मु एका तुमारा, चकलेट आ अकाशे की रंगा लगिला जका बहुत रास हिट ओडिया चलचित्रसभमे प्रमुख महिलाक भुमिका निर्वाह केनेए छल। चलचित्रक अलावा, ओ हालेमे एक मोडेलक रूपमे बडका सफलता प्राप्त केनेए अछि। ओ सन् २०१३ मे पोन्डस क फेमिना मिस इन्डिया कोलकातामे पहिल रनर अप भेछल आ ल्याकमे एब्सोल्यूट फेमिना मिस आईकनिक आइज जितलक। ओ फिनालेमे मिस ट्यालेन्टेड आ मिस स्टाइलिश हेयर खिताब सेहो जितलक।

अभिनयमे प्रवेश करै सँ पहिले, ओ एक शास्त्रीय नर्तकी छल। साहु एक प्रशिक्षित ओडिसी नर्तकी छी जे छ सालक उमरमे ओडिसी नृत्य सिखनाए शुरू करि देनेए छल। ओ अखिल भारत महाविद्यालय सँ ओडिसीमे विशारद पुरा केनेए अछि।

                                     

1. जीवनी

साहुक जन्म भुवनेश्वर, ओडिशामे भेल छल। ओ डीएम स्कुल सँ अपन स्कूली शिक्षा पुरा केलक आ केआईआईटी विश्वविद्यालय सँ बीटेकक पढाई पुरा केलक। ओ एक ओडिसी नर्तकी सेहो छी, जे ओडिसी नृत्यमे राष्ट्रिय छात्रवृत्ति प्राप्त केनेए अछि। सन् २००४ मे, हुनका मिस कलिङगाक ताज पहिनाएल गेल छल। हुनकर पहिल उडिया चलचित्र ओ माई लव छी जे सन् २००५ मे रिलीज भेल छल। अपन क्रेडिटक लेल हुनका लग बहुत रास सुपरहिट आ १००-दिवसीय ब्लकबस्टर छी। आब हुनका ओडिया फिल्म उद्योगमे शीर्ष अभिनेत्रीक रूपमे चुनल गेल अछि। अभिनयक अलावा, ओ मोडलिङग आ सामाजिक कार्यसभमे सम्मलित अछि। ओ अपन सेल्युलाइड प्रदर्शनक लेल सर्वश्रेष्ठ नवागन्तुक आ सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक पुरस्कार प्राप्त केनेए अछि। सब्यसाचीक सङ्ग हुनकर जोडी बहुत सफल रहल अछि। ओडिशा सरकार द्वारा हुनका तीन बेर सर्वश्रेष्ठ अभिनेत्रीक रूपमे राज्य फिल्म पुरस्कार देबवाला ओडिया फिल्म उद्योगमे ओ एकमात्र अभिनेत्री छी। ओ वर्तमानमे यूनिसेफ आ ओडिशा सरकार राज्य राजदूत छी। ओडिशाक लेल "बाल श्रमक उन्मूलन"। ओ जुनियर रेड क्रसक राजदूत सेहो छी। वह डेक्कन चार्जर्सक ब्रान्ड एम्बेसडरक रूपमे आईपीएल ५ क हिस्सा बनए वाली एकमात्र उडिया अभिनेत्री छल। ओ फेमिना मिस इन्डिया, कोलकाता क पहिल रनर-अप छी। ओ मिस इन्डिया सन् २०१३ प्रतियोगितामे ओडिशाक प्रतिनिधित्व केलक। ओ फिनालेमे मिस ट्यालेन्टेड आ मिस स्टाइलिश हेयर खिताब जितने अछि। ओ दु वर्षोंक लेल हकी इन्डिया लिग क द ग्रयाण्ड ओपनिङग समारोह समेत बहुत रास अवसरसभक लेल बहुत भव्य कार्यक्रमसभमे प्रदर्शन केनेए अछि।