Back

ⓘ मुलायम सिंह यादव एक भारतीय राजनीतिज्ञ आ समाजवादी पार्टीकें संस्थापक छी। ओ सन् १९८९ सँ १९९१, सन् १९९३ सँ १९९५ आ सन् २००३-२००७ करि तीन बेर उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त ..




                                               

समाजवादी पार्टी

समाजवादी पार्टी भारतक एक राजनीतिक दल छी । ई भारतीय राज्य उत्तर प्रदेशमे आधारित अछि । ई ४ अक्टुबर १९९२ के स्थापित कएल गेछल । समाजवादी पार्टीक मुलायम सिंह यादव, उत्तर प्रदेशक पूर्व मुख्यमन्त्री आ देशक पूर्व रक्षा मन्त्री सेहो रहि चुकल अछि।

मुलायम सिंह यादव
                                     

ⓘ मुलायम सिंह यादव

मुलायम सिंह यादव एक भारतीय राजनीतिज्ञ आ समाजवादी पार्टीकें संस्थापक छी। ओ सन् १९८९ सँ १९९१, सन् १९९३ सँ १९९५ आ सन् २००३-२००७ करि तीन बेर उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री भऽ सेवा देनए अछि। मुख्यमन्त्री वाहेक ओ सन् १९९६ सँ सन् १९९८ धरि भारतक रक्षा मन्त्रीक रुपमे सेवा देनए अछि। एखन ओ आजमगढ सँ लोकसभा सांसद छी ।

                                     

1. जीवनी

मुलायम सिंह यादवक जन्म २२ नवम्बर १९३९ कें इटावा जिलाक सैफई गाममे मूर्ति देवी आ सुधर सिंह यादवक किसान परिवारमे भेल छल। मुलायम सिंह यादव अपन पाँच भए-बहीनसभमे रतनसिंह यादव सँ छोट आ अभयराम सिंह यादव, शिवपाल सिंह यादव, रामगोपाल सिंह यादव आ कमला देवी सँ पैग अछि। पिता सुधर सिंह यादव हुनका पहलवान बनबै लेल चाहैत छल मुदा पहलवानीमे अपन राजनीतिक गुरु नत्थूसिंहकें मैनपुरीमे आयोजित एक कुश्ती-प्रतियोगितामे प्रभावित करलाक पश्चात ओ नत्थूसिंहकें परम्परागत विधान सभा क्षेत्र जसवन्त नगर सँ अपन राजनीतिक यात्रा शुरू केलक।

राजनीतिमे अएबा सँ पूर्व मुलायम सिंह यादव आगरा विश्वविद्यालय सँ स्नातकोत्तर एमए आ जैन इन्टर कौलेज करहल मैनपुरी सँ बिटी करलाक बाद किछ दिन धरि इन्टर कौलेजमे अध्यापन कार्य सेहो केनए छल।