Back

ⓘ आठ-हजारी. अन्तर्राष्ट्रिय पर्वतारोहण आ पर्वतारोही सङ्घ या युआइएएद्वारा समुद्र सतह सँ ८,००० मिटर उँच रहल दुनियाकेँ १४ टा हिमालय पर्वतकेँ आठ-हजारी पर्वतक रुपमे मा ..




आठ-हजारी
                                     

ⓘ आठ-हजारी

अन्तर्राष्ट्रिय पर्वतारोहण आ पर्वतारोही सङ्घ या युआइएएद्वारा समुद्र सतह सँ ८,००० मिटर उँच रहल दुनियाकेँ १४ टा हिमालय पर्वतकेँ आठ-हजारी पर्वतक रुपमे मानने अछि जे अपन पड़ोसी हिमालयसभसँ पर्याप्त रूपसँ स्वतन्त्र मानल जाएत अछि। ओना तँ, स्वतन्त्रता कऽ आकलन करवाक लेल उपयोग कएल जाएवाला मापदण्डसभक कोनो सटीक परिभाषा नई अछि, आ सन् २०१२ सँ युआइएए ई प्रक्रियामे शामिल अछि कि ई सूचीकेँ २० हिमालयधरि विस्तारित कएल जाना चाही। वर्तमान समयमे दुनियाकेँ सम्पूर्ण आठ-हजारी हिमालयसभ एशियामे हिमालय आओर काराकोरम पर्वत श्रृङ्खलामे अवस्थित अछि आ ओकर शिखरसभ मृत्यु क्षेत्रमे अछि।

सन् १९८६ मे सम्पूर्ण १४ ओ टा आठ-हजारी हिमालयसभकेँ शिखरपर सफल आरोहण करऽवला पहिल व्यक्ति इटालीकेँ राइनहोल्ड मेसनर छल जे पूरक अक्सिजनक सहायता बिना ई उपलब्धि पूर्ण केनए छल। सन् २०१० मे पूरक अक्सिजनक मद्द्ति सँ एडुर्ने पासबान सम्पूर्ण १४ ओ टा आठ-हजारी हिमालयसभकेँ शिखरपर सफल आरोहण करऽवला पहिल महिला बनल छल। सन् २०११ मे अस्ट्रियाई गेरलिन्डे कल्टेनबुनर पूरक अक्सिजनक मद्द्ति बिना १४ ओ टा आठ-हजारी हिमालयसभकेँ शिखरपर सफल आरोहण करऽवला पहिल महिला बनल छल। सन् १९५० सँ सन् १९६४ धरिसम्पूर्ण १४ ओ टा आठ-हजारी हिमालयसभकेँ शिखर आरोहण कएल गेल छल। मई २०१९ धरि आठ हजार मिटर सँ उँच रहल हिमालयसभमे सँ के२ हिमालय मात्रे ठण्डी समयमे आरोहण नई कएल जाएत अछि।

सन् २०१९ अक्टुबर २९ केँ नेपालक निर्मल पुर्जा मात्र ६ महिना ६ दिनक कीर्तिमानी समयमे संसारक सम्पूर्ण १४ ओ टा ८,००० मिटर सँ उँच हिमालय शिखरक सफल आरोहण करऽमे सफल भेल छल। पछिला कीर्तिमान ७ वर्ष १० महिना आ ६ दिनक छल।