Back

ⓘ दिल्लीक मुख्यमन्त्रीसभक सूची. दिल्लीक मुख्यमन्त्री भारतक राष्ट्रिय राजधानी क्षेत्र दिल्लीक मुख्य कार्यकारी अधिकारी होएत अछि। भारतक संविधानक अनुसार, लेफ्टिनेन्ट ..




दिल्लीक मुख्यमन्त्रीसभक सूची
                                     

ⓘ दिल्लीक मुख्यमन्त्रीसभक सूची

दिल्लीक मुख्यमन्त्री भारतक राष्ट्रिय राजधानी क्षेत्र दिल्लीक मुख्य कार्यकारी अधिकारी होएत अछि। भारतक संविधानक अनुसार, लेफ्टिनेन्ट गभर्नर दिल्लीकेँ डी ज्युरे प्रमुख होएत अछि मुदा वास्तवमे डी फ्याक्टो कार्यकारी अधिकारसभ मुख्यमन्त्रीमे निहित रहैत अछि। दिल्ली विधान सभाक चुनावक बाद, लेफ्टिनेन्ट गभर्नर आमतौपर आम निर्वाचनमे बहुमत प्राप्त राजनीतिक पार्टीकेँ सरकार बनेबाक लेल आमन्त्रित करैत अछि। भारतक राष्ट्रपति, लेफ्टिनेन्ट गभर्नरक सलाह पर मुख्यमन्त्रीकेँ नियुक्ति करैत अछि जकर मन्त्रीपरिषद सामूहिक रूपसँ विधानसभाक लेल जिम्मेवार होएत अछि। विधानसभामे विश्वास मत प्राप्त करलाक बाद मुख्यमन्त्रीकेँ कार्यकाल पाँच वर्षक होएत अछि आ ओकर कोनो समयावधि नै होएत अछि।

सन् १९५२ सँ दिल्लीमे सात मुख्यमन्त्री भेल अछि जकर शुरुआत भारतीय राष्ट्रिय काङ्ग्रेसक चौधरी ब्रह्मप्रकाश सँ भेल छल। हुनकर कार्यकाल समाप्त भेलाक बाद, दिल्लीक मुख्यमन्त्री पद ३७ वर्षक लेल समाप्त करि देल गेल छल। सन् १९९३ मे पुन: दिल्लीमे मुख्यमन्त्री पदक लेल चुनाव भेल जहिमे भारतीय जनता पार्टीक मदन लाल खुराना मुख्यमन्त्री पदक सपथ ग्रहण केनए छल। सन् १९९८ सँ सन् २०१३ धरि शीला दीक्षित दिल्ली सरकारक मुख्यमन्त्रीक रूपमे शासन केनए छल। शीला दीक्षितक बाद दिल्ली सरकारक बागडोर आम आदमी पार्टीक राष्ट्रिय संयोजक अरविन्द केजरीवालद्वारा ४९ दिन मात्र चलाएल गेल आ ओकर बाद दिल्ली सरकार लगभग १ वर्षधरि राष्ट्रपति शासनक तहत रहल। सन् २०१५ फरबरीमे भेल आम चुनावक बाद आम आदमी पार्टी भारी बहुमतसँ विजयी भेल आ केजरीवाल तखन सँ दिल्लीके मुख्यमन्त्रीक रुपमे पदासिन अछि।