Back

ⓘ निकिता दत्ता जन्म १३ नवम्बर १९९१ एक भारतीय अभिनेत्री छी। ओ फेमिना मिस इन्डिया २०१२ कऽ फाइनलिस्टसभमे सँ एक छल। ओ बलिउड चलचित्र क्षेत्रमे अपन करियरक शुरुआत चलचित् ..




निकिता दत्ता
                                     

ⓘ निकिता दत्ता

निकिता दत्ता जन्म १३ नवम्बर १९९१ एक भारतीय अभिनेत्री छी। ओ फेमिना मिस इन्डिया २०१२ कऽ फाइनलिस्टसभमे सँ एक छल। ओ बलिउड चलचित्र क्षेत्रमे अपन करियरक शुरुआत चलचित्र लेकर हम दीवाना दिल सँ केनए छल, जतय ओ सहायक भूमिकामे छल। एकर बाद ओ ड्रीम गर्ल धारावाहिकक सङ्ग टेलिभिजन करियरक शुरुआत केनए छल। ओ एक दूजे के वास्ते सुमन तिवारी आ हासिल नामक टेलिभिजन धारावाहिकमे आँचल श्रीवास्तवक किरदारक लेल दर्शकदीर्घामे लोकप्रिय अछि। सन् २०१९ मे प्रदर्शन भेल बलिउड चलचित्र कबीर सिंह मे सेहो ओ अभिनय केनए छल।

                                     

1. व्यक्तिगत जीवन

निकिता दत्ताक जन्म १३ नवम्बर १९९१ कऽ दिन अनिल कुमार दत्ता आ अलका दत्ताक घर दिल्लीमे भेल छल। निकिताके एकटा बहीन अछि जकर नाम अंकिता दत्ता छी। निकिताक पिता भारतीय नौसेनामे एक अधिकारी छी। दत्ता अपन अधिकांश जीवन विशाखापट्टनम, मुम्बई आ कोच्चिमे बितेने अछि। ओ अपन विद्यालय शिक्षा मुम्बई सँ केनए अछि आ उच्च शिक्षा सेन्ट जेभियर्स कौलेज, मुम्बई सँ अर्थशास्त्रमे स्नातक करि केनए अछि।.

                                     

2. करियर

निकिता दत्ता अपन बलिउड करियरक शुरुआत सन् २०१४ मे प्रदर्शित चलचित्र लेकर हम दीवाना दिल सँ केनए छल जहिमे ओ रोजक भूमिका निभेने छल। चलचित्रमे मुख्य भूमिका अरमान जैन आ दीक्षा सेठ निभेने छल। एकर बाद ओ गोल्ड आ कबीर सिंह जका चलचित्रमे काज केनए अछि।

ओ अपन टेलिभिजन करियरक शुरुआत लाइफ ओके पर प्रसारित ड्रीम गर्ल धारावाहिक सँ केनए छल जहिमे ओ लक्ष्मी माथुरक भूमिका निभेने छल। टेलिभिजन धारावाहिएक दूजे के वास्ते सँ निकिता दत्तासँ लोकप्रियता भेटल छल जे सोनी टिभी पर प्रसारित कएल जाएत छल।

                                     

3. पुरस्कार

निकिता दत्ताके एक दूजे के वास्ते धारावाहिकमे उत्कृष्ट जोड़ी नामिक पल कऽ सङ्ग लायन्स गोल्ड आवार्ड्स जितने छल जखन की हासिल धारावाहिकक लेल लोकप्रिय अभिनेत्री लायन्स गोल्ड अवार्ड्स जितने छल।