Back

ⓘ जस्टिनियन कऽ प्लेग एकटा महामारी छल जे बीजान्टिन साम्राज्य आओर विशेष रूपसँ एकर राजधानी, कन्स्टेन्टिनोपल, साथ ही सेसानियन साम्राज्य आओर पूरे भूमध्य सागर के आसपास ..




जस्टिनियन कऽ प्लेग
                                     

ⓘ जस्टिनियन कऽ प्लेग

जस्टिनियन कऽ प्लेग एकटा महामारी छल जे बीजान्टिन साम्राज्य आओर विशेष रूपसँ एकर राजधानी, कन्स्टेन्टिनोपल, साथ ही सेसानियन साम्राज्य आओर पूरे भूमध्य सागर के आसपास के बन्दरगाह शहरसभ के पीडीत केनए छल। व्यापारीक जहाजसभ मूस के शरण देलक जे फ्लिज के अपना साथमे रखने छल, ओ सभ कियो प्लेग सँ संक्रमित भऽ गेल। किछ इतिहासकारसभक धारणा अछि जे कि जस्टिनियन कऽ प्लेग के इतिहास के सभसँ घातक महामारीसभमे सँ एकटा छल, जेकर परिणामस्वरूप दुई शताब्दीसभक बीच मे २५–१०० मिलियन गोटे लोगसभक मृत्यु भेल छल, पुनरावृत्ति के बीचमे एहन तरह के पहिल प्रकोप छल जाही मे यूरोप के आधा जनसंख्या के बराबर लोगसभक मृत्यु भऽ गेल छल। प्लेग के सामाजिक आओर सांस्कृतिक प्रभाव के तुलना ब्ल्याक डेथ सँ कएल गेल अछि जे १४हम शताब्दी मे यूरेशिया के तबाह करि देनए छल, मुद्दा २०१९ मे प्रकाशित शोध मे तर्क देल गेल जे प्लेग सँ मृत्यु होए वाला लोगक संख्या आओर सामाजिक प्रभाव अतिरञ्जित भऽ गेल अछि।