Back

ⓘ सलोनी असवानी एक भारतीय चलचित्र अभिनेत्री आओर मोडेल अछि। अपन शिक्षा समाप्तिके पश्चात, सलोनी मोडलिङ करियर आओर बहुतरास टेलिभिजन विज्ञापनमे समेत सम्मिलित होएत अपन क ..




                                     

ⓘ सलोनी असवानी

सलोनी असवानी एक भारतीय चलचित्र अभिनेत्री आओर मोडेल अछि। अपन शिक्षा समाप्तिके पश्चात, सलोनी मोडलिङ करियर आओर बहुतरास टेलिभिजन विज्ञापनमे समेत सम्मिलित होएत अपन कदम आगा बढौने छल । सन् २००३ मे हिन्दी चलचित्र "दिल परदेशी हो गया" मे डेब्युट करैत ओ अभिनयमे अपन करियरक सुरुवात केनाएमे अपन जोरसोर लगौने छल । तत्पश्चात ओ विभिन्न दक्षिण भारतीय चलचित्रसभमे अभिनय करैत-करैत उल्लेख्य कमर्सियल सफलतातँ प्राप्त नै करवाकमे असफल रहल मुद्दा ओ एस.एस. राजमौलीक सन् २०१० मे आएल चलचित्र "मर्यादा रमन्ना" सँ ख्याती प्राप्त केनए छल । तत्पश्चात विभिन्न तेलुगु उच्च प्रोडक्सनसभमे मुख्य भूमिकासभमे नजर आवि रहल अछि ।

                                     

1. प्रारम्भिक जीवन

असवानीक जन्म भारतके महाराष्ट्र राज्यके उल्हासनगरमे सिन्धी भाषा बोलए वाला परिवारमे वन्दनाक रुपमा भेछल । हुनकर पिता नार्कोटिक्स भारतमे रहल लागूऔषध नियन्त्रण कार्यालय मे सहायक कमिसनर छल ।जखन ओ लगभग ५ वरिषक छल ओ समयमे हुनकर परिवारके सीजिएस क्वार्टरमे बसोबासक लेल मुम्बईक वडाला स्थानान्तरण भेल छल। विद्यालयक समाप्तिके पश्चात, मुम्बईमे अवस्थित न्यु मेराइन लाइन्स/चर्चगेटमे रहल श्रीमती नाथीबाई दामोदर ठाकरे विश्वविद्यालयमे साइकोलोजी विषयमे ओ ग्रयाजुएट भेछल ।ओ हरक्षण-हरपल अभिनयमे अपन रुची राखने छल आओर ई बातमे हुनकर माता सेहो हुनकर समर्थन करिरहल छल जखन हुनकर पिता हुनका "कोनो बढियाँ आदरार्थी जागिर करवाक लेल" अभिप्रेरित करि रहल छल। हुनका हुनकर पिताके नै खबर करि के अपन एकटा पोर्टफोलियो तयार करि के मोडलिङ एजेन्सीसभमे पठौने छल। ओ टेलिभिजनमे प्रशारित विभिन्न विज्ञापनसभ उदाहरणक लेल:- भ्यासलिन, लाइफबोय, पारासुट तेल, मूभ, चिक शयाम्पू, थ्री रोजेज टी आओर मीरा साबुनमे नजर आएल छल। ओ अपन शिक्षण करियरमे जखन छल, ओ हरबखत ही ड्रामा, श्रीदेवी जी के मिमिक्री करि रहल छल । सलोनी थिएटर ग्रुप कला सांसदमे सेहो भाग लेनए छल । अशोक कुमार ड्रामाटिक एकेडमी जे कि हुनकर बेटी प्रिती गाङ्गुली चलावैत छल ओही ठामसँ सलोनी अभिनय करवाक लेल सिखने छल ।