Back

ⓘ बोनिता शर्मा एक गोटे नेपाली स्वास्थ्य आ पोषण कार्यकर्ता छि। ओ सोशल चेन्जमेकर्स आ इनोभेटर्स नामक दुईटा संस्था चलावैत अछि आओर सन् २०१९ में बीबीसी कऽ १०० महिलासभ म ..




बोनिता शर्मा
                                     

ⓘ बोनिता शर्मा

बोनिता शर्मा एक गोटे नेपाली स्वास्थ्य आ पोषण कार्यकर्ता छि। ओ सोशल चेन्जमेकर्स आ इनोभेटर्स नामक दुईटा संस्था चलावैत अछि आओर सन् २०१९ में बीबीसी कऽ १०० महिलासभ में सँ एक के रूप में सूचीबद्ध भेल छल।

                                     

1. प्रारम्भिक जीवन

शर्मा कऽ जन्म नेपाल में भेल छल। ओ पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालय सँ सार्वजनिक स्वास्थ्य में बी.ए. के पढाई केनए अछि आ त्रिभुवन विश्वविद्यालयसँ पोषण में मास्टर डिग्री सेहो प्राप्त केनए अछि।

                                     

2. करियर

बोनिता शर्मा, सन् २०१७ में सोशल चेन्जमेकर्स आओर इनोभेटर्स SOCHAI कऽ स्थापना केनए छल।ई एकटा गैर-लाभकारी संगठन छि जेकर उद्देश्य कुपोषण के खत्म केनाए अछि आ विशेष रूप सँ महिलासभ आ बच्चासभक लेल बढियाँ स्वास्थ्य के प्रोत्साहित केनाए अछि। कुपोषण सँ होए वाला बच्चा के मृत्यु के कम करवाक लेल,ओ न्यूट्रिबिड्स पोषण माला नामक एकटा ब्रेसलेट पेश केनए छल, जे मातासभक लेल अपन बच्चा के लेल भोजन के योजना बनावे में सहयोग करैत अछि। सन् २०१६ में, न्यूट्रिबिड्स एसिया प्यासिफिक यूथ इनोभेशन च्यालेन्ज के विजेता भेल छल। ब्रेसलेट बेचए सँ भेल लाभ रकम सँ, SOCHAI पूर्वी नेपाल के मोरङ जिला में आपातकालीन सँ प्रभावित मातासभ आ बच्चा के सहायता प्रदान करवाक में सक्षम रहल छल।

SOCHAI, २८ मोतिसभक साथ रेड साइकल ब्रेसलेट सेहो बना रहल अछि ताकि महिलासभ विभिन्न रंगसभ के उपयोग करि के अपन मासिक धर्म चक्र महिनावारी के योजना बना सकए। शर्मा, महिलासभ कऽ पोषण, गर्भपात आ COVID-19 जेहन मुद्दासभ पर लिखैत अछि।सन् २०१९ में बीबीसी के १०० महिलासभक सूची में शर्मा के नाम के घोषणा कएल गेछल आ ओ बालिकासभक शिक्षा के अधिकार के लेल मलाला फण्ड के हिस्सा के रूप में एकटा यूनेस्को महिला च्याम्पियन अछि। ओ वन यङ वर्ल्ड द्वारा प्रस्तुत लिड २०३० च्यालेन्ज के जीरो हङ्गर श्रेणी के पुरस्कार सेहो जीतने अछि, जाहि में कि हुनका $५०,००० देनए छल। बोनिता के बिल एण्ड मेलिन्डा गेट्स फाउन्डेशन द्वारा गोलकिपर ग्लोबल गोल्स प्रोग्रेस अवार्ड २०२० सँ सेहो सम्मानित कएल गेल अछि।