Back

ⓘ मञ्जुश्री थापा नेपाल, क्यानाडा आ संयुक्त राज्य अमेरिका में पलल बढल् अछि। ओ रोड आइल्याण्ड स्कूल अफ डिजाइन में फोटोग्राफी में अपन बी.ए.फ.ए. पूरा करवाक समय में लेख ..




मञ्जुश्री थापा
                                     

ⓘ मञ्जुश्री थापा

मञ्जुश्री थापा नेपाल, क्यानाडा आ संयुक्त राज्य अमेरिका में पलल बढल् अछि। ओ रोड आइल्याण्ड स्कूल अफ डिजाइन में फोटोग्राफी में अपन बी.ए.फ.ए. पूरा करवाक समय में लेख रचना लिखनाए शुरू केनए छल। हुनकर पहिल पुस्तक मुस्ताङ भोट फ्र्यागमेन्ट्स १९९२ छल।सन् २००१ में ओ उपन्यास द ट्यूटर अफ हिस्ट्री के प्रकाशित केलक, जेकरा ओ सिएटल में वासिङ्गटन विश्वविद्यालय में रचनात्मक लेखन कार्यक्रम में एमएफए थेसिस के रूप में शुरू केनए छल, जाहिमे ओ फुलब्राइट विद्वान के रूप में भाग लेनए छल। इन्द्र बहादुर राइ के एकटा अनुवाद के बारे में हुनकर अनुवाद आइ के कार्निभल टुडे २०१७ PEN अमेरिका हेम ट्रान्सलेशन ग्रान्ट विजेता भेल छल। १ फरवरी २००५ में नेपाल में सत्ता के उलट-पुलट सँ किछ हप्ता पहिने प्रकाशित हुनकर सभसँ चर्चित पुस्तक फोरगेट काठमाण्डौ:एन एलेगी फोर डेमोक्रेसी २००५ छल। ई पुस्तक के सन् २००६ में लेट्रे यूलिस अवार्ड के लेल शर्टलिस्ट कएल गेल छल।

पुस्तक के प्रकाशन के पश्चात, थापा उलट-पुलट के विरुद्ध में लिखवाक लेल देश छोडि देनए छल। सन् २००७ में ओ एकटा लघु कहानी सङ्ग्रह, टिल्ड अर्थ प्रकाशित केलक। सन् २००९ में ओ नेपाली पर्यावरणविद: ए बोय फ्रम सिकलीस: द लाइफ एण्ड टाइम्स अफ चन्द्र गुरुङ के जीवनी प्रकाशित केनए छल। आगा साल ओ एक उपन्यास प्रकाशित केलक, सिजन्स अफ फ्लाइट २०११ में ओ एकटा ननफिक्सन कलेक्शन, दी लाइभ्स वी ह्याभ लस्ट: एसेइज एण्ड ओपिनियन्स अन नेपाल प्रकाशित केलक। हुनकर नवीनतम पुस्तक अल अफ अस इन आवर लाइभ्स सन् २०१६ में दक्षिण एसिया में प्रकाशित भेल, जे कि एकटा उपन्यास छि। ओ न्यूयोर्क टाइम्स में ओप-एड्स में सेहो योगदान देनए अछि।

                                     

1. ग्रन्थ सूची

फिक्सन

  • अल अफ अस इन् आवर लाईभ्स २०१६
  • सिजन्स अफ फ्लाइट २०१०
  • ट्युटर अफ हिस्ट्री २००१
  • टिल्ड अर्थ २००७

नन-फिक्सन

  • दी लाईभ्स वी ह्याभ लस्ट २०१२
  • फोरगेट काठमाण्डौ २००५
  • मुस्ताङ भोट इन् फ्र्यागमेन्ट्स १९९२
  • ए बोय फ्रम सिक्लिस २००९

अनुवाद

  • दी कन्ट्री इज योर्स २००९
  • देयर्स अ कार्निभल टुडे इन्द्र बहादुर राई द्वारा २०१७
  • ए लिफ इन् अ बेगिङ बोल रमेश विकल द्वारा २०००