Back

ⓘ झारखण्ड अर्थात झार वा झाड़ जे स्थानीय रूपसँ वनके पर्याय छी आ खण्ड अर्थात टुकड़ा सँ मिल बनल अछि । अपन नामक अनुरुप ई मूलतः एक वन प्रदेश छी जे झारखण्ड आन्दोलनक फलस ..




                                               

देवघर

देवघर भारतक झारखण्ड राज्य क एकटा सहर छी । ई सहर हिन्दुसभक प्रसिद्ध तीर्थ-स्थल अछि । अहि सहरक बाबाधाम नाम सँ सेहो जानल जाति छै कियकी शैव पुराणमे देवघरके बारह ज्योतिर्लिङ्गमे सँ एक मानल गेल अछि ।

झारखण्ड
                                     

ⓘ झारखण्ड

झारखण्ड अर्थात झार वा झाड़ जे स्थानीय रूपसँ वनके पर्याय छी आ खण्ड अर्थात टुकड़ा सँ मिल बनल अछि । अपन नामक अनुरुप ई मूलतः एक वन प्रदेश छी जे झारखण्ड आन्दोलनक फलस्वरूप सृजित भेल । प्रचुर मात्रामे खनिजक उपलबध्ताक कारण एकरा भारतक रूर सेहो कहल जाइत अछि जे जर्मनीमे खनिज-प्रदेशक नामसँ विख्यात अछि ।

७२ वर्ष पहिने आदिवासी महासभा जयपाल सिंह मुण्डाक अगुआईमे अलग झारखण्ड क सपना देखलक । भारतक केन्द्र सरकारद्वारा एकरा सन् २००० १५ नवम्बर आदिवासी नायक बिरसा मुण्डाक जन्मदिन क अवसरमे अठ्ठाइसम राज्य बनाए देलक । बिहारक दक्षिणी हिस्साक विभाजित करि झारखण्ड प्रदेशक सृजन कएल गेछल । औद्योगिक नगरी राँची एकर राजधानी छी । ई प्रदेशक अन्य पैग शहरसभमे धनबाद, बोकारो आ जमशेदपुर शामिल अछि । एकर क्षेत्रफल ७९,७१० किमी २ ३०,७७८ वर्ग माइल रहल अछि ।