Back

ⓘ मकालु-बरूण राष्ट्रिय निकुञ्ज. मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्ज क स्थापना बि. सं. २०४९ मे भेल अछि, जेकर नामाकरण मकालु हिमालक नामसँ कएल गेल अछि । एकर प्रशासनिक तथा ब् ..




मकालु-बरूण राष्ट्रिय निकुञ्ज
                                     

ⓘ मकालु-बरूण राष्ट्रिय निकुञ्ज

मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्ज क स्थापना बि. सं. २०४९ मे भेल अछि, जेकर नामाकरण मकालु हिमालक नामसँ कएल गेल अछि । एकर प्रशासनिक तथा ब्यबस्थापनक कार्य नेपाल सरकार, राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभागसँ होएत अछि तथा सहयोगिक रूपमे द माउन्टेन इन्स्टिच्युटस सेहो कार्य करैत आएल अछि ।

अरुण नदीक अगलबगलक उष्ण जंगलसँ हिमालयक उच्च भाग तक पसरल मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्ज बिश्वक सबसँ उचाई स्थानमे रहल संरक्षीत क्षेत्र छी, जे समुन्द्री सतहसँ ८,००० मिटरक उचाईमे अवस्थित अछि। मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्ज २३,३० वर्ग किलोमिटर क्षेत्रफलमे पसरल अछि । एहि निकुञ्ज भितर मकालु हिमाल ८,४६३ मिटर बिश्वक पन्ध्रौ उचाई हिमाल, चाम्लाङ्ग हिमाल ७,३१९ मिटर नेपालक चौंथो उचाई हिमाल, बरुन्त्से हिमाल ७,१२९ मिटर, मिरा पिक ६,६५४ मिटर लगायतक हिमालसभ रहल अछि ।

                                     

1. वनस्पति तथा वन्यजन्तुसभ

वन्सपतिक अधिक बिभिदताक कारण परिचित एहि मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्जमे २५ प्रजातिक लाली गुराँससभ, ४७ प्रजातिक अर्किड Orchid तथा ५६ अन्य दुर्लभ प्रजातिक वनस्पतिसभ पावल जाएत अछि । साथे एहि निकुञ्जमे हिम चितुवा, कस्तुरी मृग लगायतक दुर्लभ वन्यजन्तुसभ सेहो पावल जाएत अछि ।

                                     
  • न प लम रहल र ष ट र य न क ञ जसभक स च न म न अछ :

Users also searched:

...
...
...