Back

ⓘ पलक मुच्छाल, एकटा भारतीय पार्श्व गायिका छी । पलक आ हुनकर छोटका भाई पलाश मुच्छाल भारत तथा विदेशसभमे सार्वजनिक मञ्चमे गीत गाएब के ह्रदय रोगसँ पीडीत छोट-छोट बालबाल ..




पलक मुच्छाल
                                     

ⓘ पलक मुच्छाल

पलक मुच्छाल, एकटा भारतीय पार्श्व गायिका छी । पलक आ हुनकर छोटका भाई पलाश मुच्छाल भारत तथा विदेशसभमे सार्वजनिक मञ्चमे गीत गाएब के ह्रदय रोगसँ पीडीत छोट-छोट बालबालिकासभक उपचारक लेल चन्दा जमा करैत अछि । ओ, मई २०१३ धरि अढाई करोड रुपैयाक चन्दा जमा करि ५७२ गोटे बच्चासभक जान बचाबै के हेतु वित्तीय सहायता प्रदान करने अछि । पलक के, ई समाज सेवामे योगदानक लेल हुनकर नाम गिनिज बुक्स अफ वर्ल्ड रेकर्ड तथा लिम्का बुक अफ वर्ल्ड रेकर्ड मे दर्ता कएल गेल अछि । भारत सरकार आ विभिन्न सामाजिक संस्थासभ हुनका विभिन्न पुरस्कारसभसँ सम्मानित सेहो केनए अछि । सन् २०११ मे पलक हिन्दी चलचित्रसभमे पार्श्व गायिका के रुपमे गायन शुरू केलक । हुनकर प्रशंसा खास करि के "एक था टायगर" आ "आशिकी २" चलचित्रसभमे गौने गीतसभक लेल कएल जाइत अछि ।