Back

ⓘ अब्दुल कलाम. अबुल पकिर जैनुलाअबदीन अब्दुल कलाम या डाक्टर एपिजे अब्दुल कलाम जे मिसाइल म्यान आ जनताक राष्ट्रपति कऽ नामसँ जानल जाएत छल, भारतीय गणतन्त्रक एगारहम निर ..




                                               

नित्यानन्द लाल दास

डॉ. नित्यानन्द लाल दास पिता स्वर्गीय सूर्यनारायण दास। फारबिसगंज कॉलेज, फारबिसगंज सँ अंग्रेजी विभागाध्यक्ष पदसँ १९९८ मे अवकाशप्राप्त। डॉ. सुरेन्द्र झा "सुमन"क संयोजकत्वक कार्यकालमे "मैथिली परामर्शदातृ समिति" साहित्य अकादेमी, दिल्लीक सदस्य। मैथिली पत्रिका सभ जेना बटुक, प्रयाग; मिथिला मिहिर, पटना; स्वदेश, दरभंगा; पहुँच, पटना आ परती पलार, अररियामे रचना प्रकाशित। १९६७ ई. सँ राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ मे सक्रिय। प्रांतीय प्रतिनिधि २००४ धरि जिला सरसंघचालक। जे.पी.आन्दोलनमे लोकतंत्र सेनानी। डॉ. ए.पी.जे. अब्दुल कलामक अंग्रेजी पोथी "इग्नाइटेड माइण्ड्स"क मैथिलीमे "प्रज्वलित प्रज्ञा" नामसँ अनुवाद। साहित्य ...

                                               

भैरोंसिंह शेखावत

भैरोंसिंह शेखावत भारत के उपराष्ट्रपति छल। ओ १९ अगस्त २००२ से २१ जुलाई २००७ तक ई पद पर रहल। ओ १९७७ से १९८०, १९९० से १९९२ आर १९९३ से १९९८ तक राजस्थान के मुख्यमंत्री सेहो रहल। ओ भारतीय जनता पार्टी के सदस्य छल।

                                               

हम्पी कोनेरु

हम्पी कोनेरु एक भारतीय, चेसक ग्रयाण्डमास्टर खेलाड़ी छी । हिनकर जनवरी २०१० मे फाईड स्तर २६१४ छल, जाहिसँ ओ विश्वक दोसर स्थानक महिला चेस खेलाड़ी बनि गेल । सुशान पोल्गर द्वारा स्थापित २५७७ कऽ स्तरकें हिनकाद्वारा २००७ मे पार कएल गेल आ विश्वमे दोसर स्थानक सभसँ पैग खेलाड़ी होमएक गौरव प्राप्त कएलक ।

अब्दुल कलाम
                                     

ⓘ अब्दुल कलाम

अबुल पकिर जैनुलाअबदीन अब्दुल कलाम या डाक्टर एपिजे अब्दुल कलाम जे मिसाइल म्यान आ जनताक राष्ट्रपति कऽ नामसँ जानल जाएत छल, भारतीय गणतन्त्रक एगारहम निर्वाचित राष्ट्रपति छलाह । ओ भारतक पूर्व राष्ट्रपति, जानल मानल वैज्ञानिक आ अभियन्ताक रूपमे विख्यात छल । ओ मुख्य रूप सँ एकटा वैज्ञानिक आ विज्ञानक व्यवस्थापकक रूपम चारि दशक धरि रक्षा अनुसन्धान एवम् विकास सङ्गठन आ भारतीय अन्तरिक्ष अनुसन्धान सङ्गठनक नेतृत्व केनए छल आ भारतक नागरिक अन्तरिक्ष कार्यक्रम आ सैन्य मिसाइलक विकासक प्रयासमे सेहो सामिल रहल छल । ओ ब्यालेस्टिक मिसाइल आ प्रक्षेपण यान प्राविधिकक विकासक कार्यकें लेल भारतमे मिसाइल म्यानक रूपमे जानल जाएत अछि ।

कलाम सन् १९७४ मे भारतद्वारा पहिल मूल परमाणु परीक्षणक बादसँ दोसर बेर सन् १९९८ मे भारतक पोखरान-द्वितीय परमाणु परीक्षणमे एकटा निर्णायक, सङ्गठनात्मक, प्राविधिक आ राजनैतिक भूमिका निर्वाह केनए छल ।

कलाम सत्तारूढ़ भारतीय जनता पार्टी आ विपक्षी भारतीय राष्ट्रिय कांग्रेस दुनुक समर्थनक सङ्गे सन् २००२ मे भारतक राष्ट्रपति चुनल गेछल । पाँच वर्षक सेवा अवधि बाद, ओ शिक्षा, लेखन आ सार्वजनिक सेवाकें अपन नागरिक जीवनमे पुनः आएल । कलाम भारत रत्न, भारतक सर्वोच्च नागरिक सम्मान सहित बहुतो प्रतिष्ठित पुरस्कार प्राप्त सेहो केनए छल ।

                                     

1. प्रारम्भिक जीवन

सन् १९३१ अक्टुबर १५ कऽ दिन धनुषकोड़ी गाम रामेश्वरम, तमिलनाडुमे एक मध्यमवर्ग मुस्लिम परिवारमे हिनकर जन्म भेछल ।,आ हिनकर पिता जैनुलाब्दीन नै तँ बहुतेक पढ़ल-लिखल छल, नै तँ बेसी पैसा वला छल । हिनकर पिता मलाहसभके नाह भाडा पऽ दैत छल । अब्दुल कलाम संयुक्त परिवारमे रहैत छल । परिवारक सदस्यसभक सङ्ख्याक अनुमान यएह बातसँ लगाएल जा सकैत अछि कि हिनकर स्वयं पाँच भाए आ पाँच बहीन आ घरमे तीन परिवारसभ रहैत छल । अब्दुल कलामक जीवन पर हुनकर पिताक बड्ड प्रभाव रहल । ओ पढ़ल-लिखल नै भेलाक बादो कलामक लगन आ हुनकर देल संस्कार अब्दुल कलामके बहुत काज आएल । पाँच वर्षक अवस्थामे रामेश्वरमक पञ्चायत प्राथमिक विद्यालयमे हुनकर दीक्षा-संस्कार भेछल । हुनकर शिक्षक इयादुराई सोलोमन हुनका कहैत छेलखिन कि जीवनमे सफलता तथा अनुकूल परिणाम प्राप्त करै लै तीव्र इच्छा, आस्था, अपेक्षा ई तीन शक्तिसभक बड्ड निक जका समझि लेनाई आ ओही पर प्रभुत्व स्थापित करबाक चाहि ।

                                     

2. वैज्ञानिक जीवन

सन् १९६२ मे ओ भारतीय अन्तरिक्ष अनुसन्धान सङ्गठनसँ जुड़लखिन । डाक्टर अब्दुल कलामक परियोजना महानिदेशक के रूपमे भारतक पहिल स्वदेशी उपग्रह एस.एल.वी. तृतीय प्रक्षेपास्त्र बनेबाक श्रेय प्राप्त भेलै। १९८०मे हिन्का द्वारा रोहिणी उपग्रहक पृथ्वीक कक्षके निकट स्थापित कएल गेल छल। अही प्रकार भारत सेहो अन्तर्राष्ट्रीय अन्तरिक्ष क्लब क सदस्य बनल। इसरो लॉन्च व्हीकल प्रोग्रामकs उपर चढ़ाबक श्रेय सेहो हिन्का प्रदान कएल जाइत अछि। डाक्टर कलाम स्वदेशी लक्ष्य भेदी नियन्त्रित प्रक्षेपास्त्र गाइडेड मिसाइल्सक डिजाइन केलखिन। इ अग्नि एवं पृथ्वी जका प्रक्षेपास्त्रसभक स्वदेशी तकनीकसँ बनाएल गेल छल। डाक्टर कलाम जुलाई १९९२सँ दिसम्बर १९९९ धरि रक्षा मन्त्रीके विज्ञान सलाहकार तथा सुरक्षा शोध आर विकास विभागक सचिव छेलखिन। ओ रणनीतिक प्रक्षेपास्त्र प्रणाली क उपयोग आग्नेयास्त्रसभक रूपमे केलखिन। अही प्रकार पोखरणमे दोसर बेर परमाणु परीक्षण सेहो परमाणु ऊर्जाके साथ मिलाकs केएने छल। अही प्रकार भारत दवार परमाणु हथियारक निर्माणकs क्षमता प्राप्त करsमे सफलता अर्जित केलक। डाक्टर कलाम भारतके विकासस्तरकs २०२० धरि विज्ञानक क्षेत्रमे अत्याधुनिक करsके लेल एक विशिष्ट सोच प्रदान केएने अछि।

                                     

3. राजनैतिक जीवन

डाक्टर अब्दुल कलाम भारतक एगारहम राष्ट्रपति निर्वाचित भेल छेलखिन। हिन्का भारतीय जनता पार्टी समर्थित एन॰डी॰ए॰ घटक दलसभ दवारा अपन उम्मीदवार बनाओल गेछल जकरा वामदलक अलावा समस्त दलसभ दवारा समर्थन कएल गेल छल। १८ जुलाई २००२ कs डाक्टर कलाम के नवम प्रतिशत बहुमत द्वारा भारतक राष्ट्रपति चुनल गेछल आर हिन्का २५ जुलाई २००२ कs संसद भवनक अशोक कक्षमे राष्ट्रपति पदक शपथ दिएल गेलै।

                                     

4. राष्ट्रपति दायित्वसँ मुक्तिके बाद

राष्ट्रपती कार्यालय छोड़लाक बाद, कलाम भारतीय प्रबन्धन संस्थान शिलोंग, भारतीय प्रबन्धन संस्थान अहमदाबाद, भारतीय प्रबन्धन संस्थान इन्दोर आ भारतीय विज्ञान संस्थान,बैंगलोरके मानद फैलो, आ एक विजिटिङग प्रोफेसर बनि गेलखिन।

                                     

5. निधन

२७ जुलाई २०१५कs साझ अब्दुल कलाम भारतीय प्रबन्धन संस्थान शिलोङगमें रहि योग्य ग्रह en:Livable Planet पर एक व्याख्यान दs रहल छेलखिन जहन हुन्का जोरदार कार्डियक अरेस्ट दिल कs दौरा पड़ल आर ओ बेहोश भs खसि पड़लखिन। आर लगभग ६:३० बजे गम्भिर हालतमे हुन्का बेथानी अस्पतालमे आईसीयूमे लS जाए पड़लै आर करीब दू घन्टाक बाद हुन्कर मृत्युक पुष्टि कs देल गेल।अस्पतालक सीईओ जॉन साइलो बतेलखिन जे जहन कलाम के अस्पताल आनल गेल तहन हुनकर नब्ज आर ब्लड प्रेशर साथ छोड़ि चुकल छेलै। अपन निधन सँ लगभग 9 घण्टे पहिनेहे ओ ट्वीट कs क बतेने छेलखिन जे ओ शिलोंग आईआईएममे लेक्चर दइ ले जा रहल छथुन्ह।

                                     

5.1. निधन अन्तिम सन्स्कार

मृत्युके तुरन्त बाद कलामके शरीरकS भारतीय वायु सेनाके हेलीकॉप्टरसँ शिलोंगसँ गुवाहाटी लाएल गेल। जहि ठाम दोसर दिन २८ जुलाईक पूर्व राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलामक पार्थि‍व शरीर मंगलदिन दुपहर वायुसेनाके विमान सी-130जे हरक्यूलिससँ दिल्ली लाएल गेल। लगभग १२:१५ पर विमान पालम हवाईअड्डा पर उतरल। सुरक्षा बल दवारा पूरे राजकीय सम्मानके साथ कलामक पार्थिव शरीरकs विमानसँ उतारि।ओही ठाम प्रधानमन्त्री नरेद्र मोदी, राष्ट्रपति प्रणब मुखर्जी, दिल्लीके मुख्यमन्त्री अरविन्द केजरीवाल उ तीनु सेनासभक प्रमुख दवारा अगवानी करि आर कलामके पार्थिव शरीपर पुष्पहार अर्पित केलक। एकर बाध तिरङ्गामे लिपटल डॉ. कलामके पार्थि‍व शरीर कs पूरे सम्मानके साथ, एक गन कैरिजमे राखि हुन्कर आवास १० राजाजी मार्ग पर लsगेल छल।

२९ जुलाईक भोर वायुसेना विमान सी-130जे सँ भारतीय ध्वजमे लपेटल कलामक शरीरक पालम एयर बेस परसँ मदुरै होइत फेर हुन्कर गृह स्थान रामेश्वरममे अन्तिम दर्शनक बाध

३० जुलाई २०१५ कs पूर्व राष्ट्रपतिके पूरा सम्मानक साथ रामेश्वरमके पी करूम्बु ग्राउन्डमे दफ़ना देल गेल। जहिमे प्रधानमन्त्री मोदी, तमिलनाडुके राज्यपाल आर कर्नाटक, केरल आर आन्ध्र प्रदेशके मुख्यमन्त्रीसभ सहित ३,५०,००० सँ अधिक लोकसभ दवारा अन्तिम सन्स्कारमे सम्मिलित छल।



                                     

5.2. निधन प्रतिक्रिया

कलामके निधनसँ देश भरिमे आर सोशल मीडियामे पूर्व राष्ट्रपतिकs श्रद्धांजलि देबsके लेल अनेक कार्य कएल गेल। भारत सरकार दवारा कलामक सम्मान देबsके लेल सात दिवसीय राजकीय शोकक घोषणा केएने छल।

                                     

6. किताबसभ

डाक्टर कलाम साहित्यिक रूपसँ सेहो अपन विचारसभकs चारि पुस्तकसभमे समाहित कएने अछि, जे इ प्रकार अछि: इन्डिया २०२० अ विज़न फ़ॉर द न्यू मिलेनियम, माई जर्नी तथा इग्नाटिड माइंड्स- अनलीशिंग द पॉवर विदिन इन्डिया।

कलाम साहबक प्रमुख पुस्तकसभ अही प्रकार अछि:

चिन्तनपरक रचनासभ

  • इन्डिया- माय-ड्रीम: एक्सेल बुक्स, 2004 ISBN 81-7446-350-X
  • एनविजनिंग अन एमपावर्ड नेशन: टेक्नालजी फार सोसायटल ट्रांसफारमेशन: टाटा मैक्ग्राहिल प्रकाशन, 2004 ISBN 0-07-053154-4
  • इग्नाइटेड माइन्डस: अनलीशिंग द पावर विदीन इन्डिया: पेंग्विन बुक्स, 2003 ISBN 0-14-302982-7

आत्मकथात्मक रचनासभ

  • विंग्स अफ फायर: एन आटोबायोग्राफी अफ एपीजे अब्दुल कलाम: सह लेखक - अरुण तिवारी, ओरियेंट लांगमैन, 1999 ISBN 81-7371-146-1
  • साइंटिस्ट टू प्रेसिडेंट: ज्ञान पब्लिशिंग हाउस, 2003 ISBN 81-212-0807-6
                                     

7. जीवनी

अन्य लेखक द्ववारा डाक्टर कलामक जीवनी या जीवनके विविध पहलुसभ पर पुस्तकसभ लिखल गेल अछि जाहिमे किछ प्रमुख निम्नवत अछि:

  • ए॰ पी॰ जे॰ अब्दुल कलाम: द विजनरी अफ इन्डिया के॰ भूषण एवं जी॰ कात्याल - एपीएच पब्लिशिंग कार्पोरेशन, 2002 ISBN 81-7648-380-X
  • प्रेसिडेंट एपीजे अब्दुल कलाम आर॰ के॰ पूर्ति - अनमोल पब्लिकेशन्स, 2002 ISBN 81-261-1344-8
  • इटरनल क्वेस्ट: लाइफ ऐंड टाइम्स अफ डाक्टर अवुल पकिर जैनुलाआबदीन अब्दुल कलाम एस चंद्रा कृत - पेंटागन पब्लिशर्स, 2002 ISBN 81-86830-55-3
                                     

8. पुरस्कार आ सम्मान

डाक्टर कलामक ७९अम जन्म दिनक अवसरमे संयुक्त राष्ट्र सङ्घद्वारा विश्व विद्यार्थी दिवस क रूपमे मनाओल गेछल । एकर बाधो ओ लगभग चालीस विश्वविद्यालयसभ द्वारा मानद डाक्टरेटक उपाधिसभ प्रदान कएल गेछल भारत सरकार द्ववारा हुनका सन् १९८१ मे पद्म भूषण आ सन् १९९० मे पद्म विभूषणद्वारा सम्मानित कएल गेछल । हुनका इसरो आ डिआरडिओ नामक दुई वैज्ञानिक संस्थामे अपन कार्यकालमे वैज्ञानिक उपलब्धिसभक लेल तथा भारत सरकारक वैज्ञानिक सलाहकारक रूपमे कार्य हेतु प्रदान कएल गेछल ।

सन् १९९७ मे कलाम साहबके भारतक सर्वोच्च नागरिक सम्मान भारत रत्न प्रदान कएल गेछल जे हुनका वैज्ञानिक अनुसन्धान आ भारतमे प्राविधिकसभक विकासमे अभूतपूर्व योगदान हेतु देल गेछल ।

वर्ष २००५ मे स्विजरल्याण्डक सरकार डाक्टर कलामके स्विजरल्याण्ड आगमनक उपलक्ष्यमे २६ मई के विज्ञान दिवस घोषित केनए छल । कलाम नेशनल स्पेस सोसाइटी वर्ष सन् २०१३ मे अन्तरिक्ष विज्ञान सम्बन्धित परियोजनासभक कुशल सञ्चालन आ प्रबन्धनक लेल वन ब्राउन अवार्ड सँ पुरस्कृत भेल छलाह ।

                                     
  • प रज वल त प रज ञ न मस अन व द स ह त य अक द म म थ ल अन व द प रस क र - ड न त य नन द ल ल द स - इग न इट ड म इण ड स - ड ए.प ज कल म अ ग र ज ल ल
  • भ रतक अम र ष ट रपत पदस थ क र यक ल प र र भ ज ल ई प र ववर त अब द ल कल म उत तर वर त प रणव म खर ज र जस थ नक र ज यप ल क र यक ल नवम बर
  • भ र स ह श ख वत भ रत क उपर ष ट रपत र ष ट रपत अब द ल कल म प र व ध क र क ष णक न त उतर ध क र म हम मद ह म द अ स र व यक त गत ज नक र जन म
  • उप र ष ट रपत क ष ण क त प र ववर त श कर दय ल शर म उत तर वर त अब द ल कल म जन म अक ट बर त र वणक र, भ रत म त य नवम बर नय द ल ल
  • . - सत यज त र य मई, - अप र ल - अब द ल कल म अक ट बर, - ग लज र ल ल नन द ज ल ई, - जनवर
  • प रध नमन त र क र यक ल म र च मई र ष ट रपत क आर न र यणन अब द ल कल म प र व ध क र इन द र क म र ग जर ल उतर ध क र मनम हन स ह क र यक ल मई
  • र ष ट रपत ड ए.प ज अब द ल कल म द व र म र च, कऽ नय द ल ल अवस थ त र ष ट रपत भवनम एक व श ष सम र हम क न र हम प क च स ख लक ल ल पद मश र
  • र जद त रह च कल छल ऐप ज अब द ल कल म - ज ल ई ज ल ई भ र स ह श ख वत न र व चन कल म म ख यत व ज ञ न क छल ज म स इल

Users also searched:

...
...
...