Back

ⓘ ऋतु एक वर्ष स छोट कालखंड छी जहिमे मौसम क दशाएं एक खास प्रकारस होइत अछि। इ कालखण्ड एक वर्ष क भाग म विभाजित करैत अछि जाहि दौरान पृथ्वी क सूर्य क परिक्रमा क परिणाम ..




ऋतु
                                     

ⓘ ऋतु

ऋतु एक वर्ष स छोट कालखंड छी जहिमे मौसम क दशाएं एक खास प्रकारस होइत अछि। इ कालखण्ड एक वर्ष क भाग म विभाजित करैत अछि जाहि दौरान पृथ्वी क सूर्य क परिक्रमा क परिणामस्वरूप दिन क अवधि, तापमान, वर्षा, आर्द्रता इत्यादि मौसमी दशाएँ एक चक्रीय रूप म बदलैत अछि। मौसम क दशाओं म वर्ष क दौरान इ चक्रीय बदलाव क प्रभाव पारितंत्पर पडैत अछि आर इ प्रकार पारितंत्रीय ऋतुसभ निर्मित होइत अछि यथा नेपाल आर पश्चिम बंगाल म जुलाई स सितम्बर तक वर्षा ऋतु होइत, यानि नेपाल आर पश्चिम बंगाल म जुलाई स अक्टूबर तक, वर्ष क अन्य कालखंडो क अपेक्षा अधिक वर्षा होइत अछि। इ प्रकार यदि कहल जायकी तमिलनाडु म मार्च स जुलाई तक गृष्म ऋतु होइत अछि, एकर अर्थ छी कि तमिलनाडु म मार्च स जुलाई तक क महीना म साल क अन्य समय क अपेक्षा गर्म होइत अछी ।

नेपाल आर भारत म परंपरागत रूप स मुख्यतः छः ऋतुएं परिभाषित कएल जाएत अछि। -

                                     

1. ऋतु परिवर्तनक कारण

ऋतु परिवर्तनक कारण पृथ्वी द्वारा सूर्य क चारों ओर परिक्रमण आर पृथ्वी क अक्षीय झुकाव अछि। पृथ्वी क डी घूर्णन अक्ष परिक्रमा पथ स बनल समतल पर लगभग 66.5 अंश का कोण बनैत अछि जेकर कारण उत्तरी आ दक्षिणी गोलार्धों म स कोनो एक गोलार्द्ध सूर्य क ओर झुकैत अछि। इ झुकाव सूर्य क चारो ओर परिक्रमा क कारण वर्ष क अलग-अलग समय अलग-अलग होइत अछि जहिमे दिन-रात क अवधि म घट-बढ़ एक वार्षिक चक्र निर्मित होइत अछि। यी ऋतु परिवर्तन क मूल कारण होइत अछि।