Back

ⓘ नेपालक हिमश्रृङ्खलासभ - हिमालय, महालङ्गुर हिमश्रृङ्खला ..




                                               

हिमालय

हिमालय एसियामे अवस्थित एक हिमश्रृङ्खला छी, जे दक्षिण-पश्चिमसँ पाकिस्तान, भारत होइत तिब्बत, नेपाल आ भुटानधरि फैलल अछि। हिमालय अफगानिस्तानक हिन्दूकुश हिमश्रृङ्खलासँ जुडल अछि । हिमालय शब्दक उत्पति संस्कृतसँ भेल अछि, जकर अर्थ होइत अछि - हिमक बासस्थान । सगरमाथा ८८४८ मी, के२ ८६११ मी आ कञ्चनजङ्घा ८५८६ मी लगायत विश्वक सर्वोच्च शिखरसभ हिमालयमे अवस्थित अछि।

                                               

महालङ्गुर हिमश्रृङ्खला

महालङ्गुर हिमश्रृङ्खला हिमालयक एक भाग छी जे पूर्वोत्तर नेपाल आ दक्षिण-मध्य तिब्बतमे अवस्थित अछि । ई पूर्वमे नाङ्गपा ला नामक दर्रासँ पश्चिममे अरुण नदीधरि विस्तारित अछि । हिमालयके उपभागक दृष्टिसँ एकर पश्चिममे खुम्बु हिमालय आ पूर्वमे कञ्चनजङ्घा हिमालय आबैत अछि । पृथ्वीके छ सर्वोच्च हिमालयमे सँ चारि हिमालयसभ, सगरमाथा, ल्होचे, मकालु आ चोयु हिमालय - एहिमे शामिल अछि । एकर तिब्बती भागमे रोङ्गबुक हिमनदी आ काङ्गशुङ हिमनदी बहैत अछि जबकि नेपाल भागमे बरुण नदी, नोजुम्बा, खुम्बु हिमनदी बहैत अछि । ई सभ उत्तर आ पूर्वमे अरुण नदीद्वारा आ दक्षिणमे दुधकोशी नदीद्वारा कोशी नदीके जल प्रदान करैत अछि ।