Back

ⓘ क्रिकेट - क्रिकेट, भारत राष्ट्रिय क्रिकेट टिम, इङ्ल्यान्ड राष्ट्रिय क्रिकेट टिम, अस्ट्रेलिया राष्ट्रिय क्रिकेट टिम, टेस्ट क्रिकेट, एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय ..




                                               

क्रिकेट

क्रिकेट एक ब्याट आ बलक सामूहिक खेल छी जकर शुरुआत दक्षिणी इङ्ल्यान्डमे भेछल । एकर सभ सँ प्राचीन निश्चित सन्दर्भ सन् १५९८ मे भेटैत अछि, अखन ई खेल १०० सँ बेसी देशसभमे खेलल जाएत अछि । एक क्रिकेट प्रतिस्पर्धामे ११ खेलाडीसभक दुई समूह होएत अछि ई खेल घासक मैदानमे खेलल जाएत अछि, जकर केन्द्रमे भूमिएक समतल २२ गज लम्बा पट्टी होएत अछि जकरा पिच कहल जाएत अछि । स्टम्प लकड़ी सँ बनल होएत अछि, जकरा पिचक दुनू दिस गाड़ल जाएत अछि आ ओकर प्रयोग एक लक्ष्यक रूपमे कएल जाएत अछि । बलर क्षेत्ररक्षण टिमक एक खेलाड़ी होएत अछि, जे बलिङक लेल एक कड़ा, चमड़ाक मुट्ठी आकारक ५.५ औंस बलक एक विकेटक नजदिक सँ दोसर विकेटक दिस करैत अछ ...

                                               

भारत राष्ट्रिय क्रिकेट टिम

भारत राष्ट्रिय क्रिकेट टिम भारतक राष्ट्रिय क्रिकेट टिम छी । ई क्रिकेट टिम बिसिसिआईद्वारा नियन्त्रित कएल जाइत अछि । भारतमे क्रिकेटक विकास युरोपेलीसभद्वारा १८अम शताब्दीमे भेछल तथा भारतमे पहिल क्रिकेट क्लबक स्थापना सन् १७९२ मे कोलकातामे भेछल ।

                                               

इङ्ल्यान्ड राष्ट्रिय क्रिकेट टिम

इङ्ल्यान्ड क्रिकेट टिम अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेटमे इङ्ल्यान्ड आ वेल्सक प्रतिनिधित्व करनिहार एकटा टिम छी । सन् १९९७ जनवरी १ बाद ई टिमके इङ्ल्यान्ड आ वेल्स क्रिकेट बोर्डद्वारा सञ्चालित अछि तहिने एहि सँ पूर्व एकरा सन् १९०३ सँ १९९६ क अन्त धरि मेरिलबोन क्रिकेट क्लबद्वारा शासित कएल गेछल । सन् १८७७ के १५-१९ मार्चमे आयोजित इङ्ल्यान्ड तथा अस्ट्रेलिया राष्ट्रिय क्रिकेट टिम बीच भेल म्याचके पहिल आधिकारिक टेस्टके रुपमे मानल जाइत अछि । सन् १९०९ जुन १५ मे ई दुनू राष्ट्र संग दक्षिण अफ्रिका क्रिकेट बोर्ड मिल इम्पिरियल क्रिकेट कन्फ्रेन्स गठन केनए छल । इङ्ल्यान्ड आ अस्ट्रेलिया बीच सन् १९७१ जनवरी ५ मे पहिल एकदि ...

                                               

अस्ट्रेलिया राष्ट्रिय क्रिकेट टिम

अस्ट्रेलिया क्रिकेट टिम क्रिकेट जगतमे सब सँ सफल टिमक रुपमे अस्ट्रेलियाके लेल जाइत अछि । अस्ट्रेलिया क्रिकेट टिम अखन धरि एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेटक विश्वकप क्रिकेट ४ बेर जित चुकल अछि ।

                                               

टेस्ट क्रिकेट

टेस्ट क्रिकेट, क्रिकेटक सब सँ लम्बा स्वरूप छी । एकरा खेलाडीसभक खेल क्षमताक वास्तविक परीक्षा मानल गेल अछि, मुदा तबो आब आबि ई खेलक एकदिवसीय स्वरूप तथा ट्वान्टी२० अन्तर्राष्ट्रिय अधिक लोकप्रिय अछि । टेस्ट क्रिकेट अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट परिषदद्वारा मान्यता प्राप्त राष्ट्रिय टिम बिच खेलल जाइत अछि । दुई टिमके ११ खेलाडीद्वारा ४ इनिङ्गक म्याच खेलल जाइत अछि जे ५ दिन धरि चलैत अछि । क्रिकेटक ई स्वरूपके खेलाडीके वास्तविक क्षमताके प्रष्ट करैत अछि बात विज्ञसभ बतबैत अछि ।

                                               

एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय

एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेटक एकटा स्वरूप छी । जे दुई क्रिकेट टिमक बिचमे प्रत्येक टिम ५० ओभरक खेल खेलैत अछि । क्रिकेट विश्वकप एहि ढाँचामे खेलल जाइत अछि । एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय म्याचके लिमिटेड ओभर इन्टरनेसनल क्रिकेट सेहो कहल जाइत अछि कियाकी दुनु टिमक बीच सिमित ओभरक क्रिकेट म्याच खेलल जाइत अछि । अन्तर्राष्ट्रिय एकदिवसीय खेलक विकास २०अम शताब्दीक अन्तमे भेछल । पहिल एकदिवसीय म्याच मेलबोर्न क्रिकेट ग्राउन्डमे ५ जनवरी १९७१ क दिन अस्ट्रेलिया आ इङ्ल्यान्डक बीच खेलल गेछल । ई दुनु टिम बीच चालू तेसर टेस्ट म्याचक पहिलो तीन दिन वर्षा सँ प्रभावित भेला बाद खेल अम्पायर तथा रेफ्री म्याचके समाप्त करैक ...

                                               

१९८३ क्रिकेट विश्वकप

क्रिकेट विश्वकप १९८३ क्रिकेट विश्वकप प्रतियोगिताक तेसर क्रिकेट विश्वकप छल । ई प्रतियोगिता ९ जुन सँ २३ जुन धरि इङ्ल्यान्डमे आयोजन भेछल जकरा भारत जितने छल । ई टुर्नामेन्ट प्रुडेन्सियल एसुरेन्स कम्पनीद्वारा प्रायोजित छल । ई टुर्नामेन्टमे ८ टा टिम भाग लेने छल । ई क्रिकेट विश्वकप सुरु सँ नाटकीय रहल छल । भारत तथा जिम्बाब्वे जका टिम विश्वकप सुरु होमए सँ पहिने आन टिमक मुकाबलामे स्तरीय क्रिकेट नै खेलैक छल मुदा ओसभ वेस्ट इन्डिज तथा अस्ट्रेलिया जका कड़गड़ टिमसभके हराए सनसनी फैलोनए छल । ई प्रतियोगितामे एक म्याच ६० ओभरक खेलाएल गेछल आ खेलाडी उज्जर पोसाकमे तथा लाल क्रिकेट बल सँ खेलैक नियम छल । म्याच दिनम ...

                                               

अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट परिषद

अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट परिषद क्रिकेटक अन्तर्राष्ट्रिय परिचालक निकाय छी। ई इङ्गल्याण्ड, अस्ट्रेलिया आ दक्षिण अफ्रिकाक प्रतिनिधिसभद्वारा सन् १९०९ मे शाही क्रिकेट सम्मेलनक रूपमे स्थापित केनए छल। सन् १९६५ मे अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट सम्मेलन नाम राखलक जे सन् १९८९ धरि कायम रहल। ई परिषदमे वर्तमान अस्ट्रेलिया, इङ्ग्ल्याण्ड, भारत, न्युजिल्याण्ड, पाकिस्तान, दक्षिण अफ्रिका, वेस्टइन्डिज, जिम्बाब्वे, श्रीलङ्का आ बङ्गलादेश स्थायी सदस्य रहल अछि। एकर २३ टा सहसदस्य आ १३ टा मातहती संस्थासभ अछि। ई अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेटक कार्यकारी निकाय छी।

                                               

२०१६ अन्डर-१९ एसिया कप

तेसर सन्स्करण यु-१९ एसिया कप क्रिकेट आगामी दिसम्बरमे होनाइ निश्चित भेल अछि। दिसम्बर ८ सं २२ धरि श्रीलंकामे युवा क्रिकेट प्रतियोगिता होबs जाsरहल अछि। प्रतियोगितामे नेपालसहित कुल ८ राष्ट्रक सहभागिता रहत, जहिमे आयोजक श्रीलंका सहित टेष्ट खेलsबला ४ टीम समेत रहत। अही बेर श्रीलंकाक राजधानी कोलम्बोकs बाहर ३ स्टेडियममे खेल हाएत। हामवानटोटस्थित महेन्द्रा राजापाक्ष इन्टरनेसनल क्रिकेट स्टेडियम,गाल्ले इन्टरनेसनल क्रिकेट स्टेडियम आर मातारास्थित मातारा उयानवाटे स्टेडियममे खेल होएत। सन् २०१२ सं एसिया कपक रुपमे खेलाबs लागल प्रतियोगिक इ तेसर सन्स्करण छी। मलेसियामे भेल पहिल सन्स्करणमे भारत आर पाकिस्तान संयुक ...

                                               

२०१६ इन्डियन प्रिमियर लिग

इन्डियन प्रीमियर लिग अन्तर्गत २०१६ म सञ्चालित प्रतियोगिता म ८ टिम सहभागि भेल छेलाह । जे प्रत्येक वर्ष भारतम सञ्चालन होएत अछि । ई प्रतियोगितामा चेन्नई सुपर किङ्स आर राजस्थान रोयल्स प्रतिबन्धित अछि । इन्डियन प्रिमियर लिगको २०१६ क सिजन जे कि आईपीएल ९ या विवो आईपीएल २०१६ क नाम स सेहो जानल जाएत अछि । इन्डियन प्रिमियर लिग जेकर सञ्चालक बीसीसीआई छी । एकर शुरुआत २००७ म भेल छेलाह ।ई आईपीएल क ९ वमा सिजन छी । ई आईपीएल ०८ अप्रैल २०१६ म प्रारम्भ तथा २९ मई २०१६ मा फाइनल मिति तय भेल अछि।

                                               

नेदरल्यान्ड राष्ट्रिय क्रिकेट टिम

नेदरल्यान्ड राष्ट्रिय क्रिकेट टिम उपनाम डच राष्ट्रिय क्रिकेट टिम नेदरल्यान्डक प्रतिनिधित्व करैत अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट प्रतियोगितामे भाग लेनिहार क्रिकेट खेलाडीसभक समूह छी । सन् १९66 मे नेदरल्यान्ड अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट परिषदक एसोसिएट सदस्य राष्ट्र बनल । सन् २०१४ जुन सँ नेदरल्यान्ड टि२०आई अवस्था प्राप्त अछि ।

भारत महिला क्रिकेट टिम
                                               

भारत महिला क्रिकेट टिम

भारतीय महिला क्रिकेट टिम जकरा विमन इन ब्लू कऽ नामसँ सेहो जानल जाइत अछि जे एक भारतीय राष्ट्रिय महिला क्रिकेट टिम छी । एकर सञ्चालन बिसिसिआई करैत अछि । भारतीय महिला क्रिकेट टिम अपन पहिल टेस्ट क्रिकेट म्याच ३१ अक्टुबर १९७६ मे बेङ्गलोरमे वेस्ट इन्डिज महिला क्रिकेट टिम विरुद्ध खेलने छल । ई टिम अपन पहिल एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय १ जनवरी १९७८ मे कोलकातामे इङ्ल्यान्ड महिला क्रिकेट टिम विरुद्ध खेलने छल आ पहिल ट्वान्टी२० म्याच ५ अगस्त २००६ मे डर्बीमे इङ्ल्यान्ड विरुद्ध खेलने छल ।

                                               

श्रीलंका राष्ट्रिय क्रिकेट टिम

श्रीलंका राष्ट्रिय क्रिकेट टिम श्रीलंकाक राष्ट्रिय क्रिकेट टिम छी । ई टिम अपन पहिल अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट म्याच सन् १९२६-२७ मे खेलने छल । सन् १९८१ मे श्रीलंका टेस्ट राष्ट्रक दर्जा प्राप्त केलाबाद ओ टेस्ट खेलैवाला ८अम राष्ट्र बनल छल । श्रीलंकाक राष्ट्रिय क्रिकेट टिम सन् १९९६ क्रिकेट विश्वकप जितलाबाद ओकर क्रिकेट खेलमे वृद्धि भेछल ।

बाङ्लादेश राष्ट्रिय क्रिकेट टिम
                                               

बाङ्लादेश राष्ट्रिय क्रिकेट टिम

बाङ्लादेश राष्ट्रिय क्रिकेट टिम बाङ्लादेशक प्रतिनिधित्व करऽवाला राष्ट्रिय क्रिकेट टिम छी। एकर सञ्चालन तथा समन्वय बाङ्लादेश क्रिकेट बोर्डद्वारा कएल जाएत अछि।

२०१७ इन्डियन प्रिमियर लिग
                                               

२०१७ इन्डियन प्रिमियर लिग

इन्डियन प्रिमियर लिग क २०१६ क सिजन जे कि आईपीएल १० या विवो आईपीएल २०१७ क नाम स सेहो जानल जाएत अछि । इन्डियन प्रिमियर लिग जेकर सञ्चालक बीसीसीआई छी । एकर शुरुआत २००७ म भेल छेलाह । ई आईपीएल क १० वमा सिजन छी ।